विनीत ठाकुर।
दरभंगा । आई कामेश्वर नगर परिसर मे गौरवशाली दरभंगा द्वारा आयोजित साइकिल रैली क उद्घाटन प्रो.सुरेन्द्र कुमार सिंह, कुलपति ,ललितनारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा आ नगर विधायक श्री संजय सरावगी द्वारा फीता काटि कयल गेल। प्रो. श्री सिंह आ माननीय विधायक झंडी देखाय रैली क शुभारंभ कैलनि।
कार्यक्रम केँ संबोधित करैत कुलपति प्रो सुरेन्द्र कुमार सिंह कहलनि जे गौरवशाली दरभंगा द्वारा पर्यावरणआ धरोहर सबहक संरक्षण हेतु जे प्रयास शुरू कएल गेल अछि, ओ प्रशंसनीय अछि। अपन अतीत क भग्नावशेष आ वर्तमान क पर्यावरण संरक्षण प्रत्येक व्यक्ति क कर्तव्य थिक। अन्यथा पूरा विश्व क अस्तित्व समाप्त भs जायत। बढैत प्रदूषण क कारणे पूरा विश्व चिन्तित अछि जाहि मे सहयोग करब सबहक कर्तव्य थिक। विभिन्न तरहेँ पसरैत प्रदूषण केँ बढैबा मे वाहन सबहक पैघ योगदान अछि जकर निदान हम सब साइकिल अपना कए कय सकैत छी। साइकिल परिचालन सँ धुआँ नहि होयबा क कारण पर्यावरण संरक्षण होयत, कीमती तेल क बचतक संग स्वस्थ सेहो रहब। समाज केँ.ई संदेश देवा लेल साइकिल रैली क आयोजन कयल गेल अछि।
पर्यावरण संरक्षण हेतु ओ कहलनि जे भारतक दू प्रतिशत नागरिक यदि वृक्ष रोपैथ त पर्यावरण संरक्षण लेल ई सकारात्मक काज होयत। ओ छात्र आ नागरिक केँ अपन धरोहर, पर्यावरण संरक्षण आ स्वच्छता लेल संकल्पित होयबा क आह्वान कयलनि।
माननीय विधायक श्री संजय सरावगी कार्यक्रम के संबोधित करैत कहलनि जे पर्यावरण संरक्षण हमर सबहक ज़िम्मेवारी छी। बढैत वायु प्रदूषण, घटैत वन,दूषित होइत जल से मनुष्य क अस्तित्व पर प्रश्न चिन्ह लागि रहल अछि। बेतहाशा पोलिथीन क उपयोग, ध्वनि प्रदूषण इत्यादि अस्सी प्रतिशत रोग क कारण थिक। तेँ जीवन हेतु प्रदूषण मुक्त वातावरण , स्वच्छता आवश्यक ।
श्री सरावगी दरभंगा क गौरवशाली अतीत क स्मरण करबैत एहि तरहक आयोजन करबा लेल धन्यवाद दैत आगूओ एहि तरहक आयोजन करबाक अनुरोध कएलनि जाहि सँ पर्यावरण संरक्षण हेतु समाज कए सुंदर संदेश भेटैक।
साइकिल रैली मे एम एल एस एम महाविद्यालय क प्राचार्य डॉ विद्यानाथ झा, कुलानुशासक डॉ अजयनाथ झा रैली मे साइकिल चलाय रैली मे सम्मिलित छात्र सबहक उत्साह बढौलनि। रैली मे विभिन्न महाविद्यालय क छात्र/ छात्रा, शिक्षक सब कामेश्वर नगर सँ रैली शुरू कए भाया रेलवे स्टेशन , दरभंगा टावर पुनः कामेश्वर नगर परिसर मे रैली समाप्त कैलनि। छात्र सब रैली क मार्ग मे लोक सब कए कम दूरी लेल साइकिल क उपयोग करबाक आह्वान कयलनि।
रैली क संयोजक मनीष राज कार्यक्रम सँ उत्साहित भए कहलनि जे आगूओ एहि तरहक आयोजन कयल जायत।
समाज सेवी संजय कुमार सिंह क्लीन दरभंगा, ग्रीन दरभंगा अभियान केँ हार्दिक समर्थन देबाक आवश्यकता जनौलनि।
गौरवशाली दरभंगा क अन्य सदस्य सब मे राहुल कुमार, संतोष कुमार, कल्पराज नागवंशी,रवि प्रकाश, कुमार अभिषेक, प्रकाश वंधु, दिवाकर, मधुकर, नीरज, आशु दीपेश, दुर्गेश पीयूष सब शहर क विभिन्न स्थान पर टीम क अगुवाई कयलनि।