पटना। शिक्षक नियुक्ति क प्रक्रिया त पटरी पर दौड़े लगल मुदा विभिन्न जिला मे कोटिवार रिक्ति नहि दर्शाउल गेला पर आवेदक लेल परेशानी बढि़ गेल अछि। सूत्र क अनुसार अधिकतर जिला मुख्यालय मे उर्दू आ शारीरिक शिक्षा क अलावा अन्य शैक्षणिक पद नहि अछि। एहि दिस विभाग आरक्षण रोस्टर क त कठोरता स पालन करबाक मन बना लेलक अछि। एकटा एहनो फार्मूला तैयार केलक अछि, जेकर स हर विद्यालय जाहि ठाम न्यूनतम 10टा छात्र अछि, ओहि ठाम एकटा उर्दू शिक्षक क नियुक्ति क प्रस्ताव अछि। एकटा अधिकारी नाम नहि छापबाक शर्त पर कहलथि जे एहि चरण क 80 हजार शिक्षक मे करीब दस हजार उर्दू शिक्षक क नियुक्ति होइत। मौलवी त एहि पद पर तैनात हेता, मुदा पैघ पैमाना पर संभावित पद कए देखैत लगैत अछि जे इंटर में उर्दू विषय मे नीक अंक लेनिहार अभ्यर्थी सेहो शिक्षक पद क प्रबल दावेदार हेताह। विभागीय सूत्र क अनुसार जाहि ठाम कोटिवार रिक्ति नहि दर्शाउल गेल अछि अेहि ठाम अभ्यर्थियों कए फिलहाल परेशान हेबाक जरूरत नहि अछि। संबंधित जिला अधिकारी कए पदवार व कोटिवार रिक्ति तैयार करि कए पठेबा लेल कहल जा चुकल अछि।
बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।