• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहारमे पहिल एक्सप्रेस-वे बनबाक बाट साफ, जानू कतय स’ कतय धरि बनत इ सड़क?

September 2, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहारक पहिल एक्सप्रेस-वे बनबाक बाट साफ भ’ गेल अछि। इ मगध क्षेत्रक औरंगाबाद स’ मिथिलाक जयनगर धरि  बनत। दक्षिण स’ उत्तर बिहारके जोड़यवला औरंगाबाद स’ नेपाल सीमा पर स्थित जयनगर धरि बनयवला 271 किमी लम्बा सड़कके भारतीय राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण (एनएचएआई) केर भू-अर्जन समिति मंजूरी द’ देलक अछि। अधिसूचना जारी होइते  नार्थ-साउथ कॉरिडोर सेहो कहल जायवला एहि सड़कक लेल भू-अधिग्रहण काज शुरू होयत.

पटना सहित बिहारक 6 गोट जिला स’ भ’ गुजरत एक्सप्रेस-वे
आबयवला दिनमे एकर टेंडर आ फेर निर्माण शुरू भ’ जायत. इ सड़क पटना सहित बिहारक 6 जिला स’ भ’ गुजरत। एहि सड़क स’ पटनाक गया आ दरभंगा एयरपोर्ट स’ सोझे संपर्क भ’ जायत। संगहि एकर संपर्क जीटी रोड स’ सेहो भ’ जायत. सड़क बनयबाक जिम्मा एनएचएआईके देल गेल अछि। जमीनक उपलब्धता एवं टैफिक घनत्वक अनुसार एहि सड़कक एलाइनमेंट तय कयल गेल अछि।

दरभंगा एयरपोर्ट लग स’ गुजरैत जयनगरमे समाप्त
औरंगाबादक मदनपुर स’ शुरू होमयवला इ फोरलेन सड़क गया एयरपोर्टक बगल स’ होएत जीटी रोडके सेहो संपर्कता प्रदान करत। गया स’ इ जहानाबाद आ नालंदाक बॉर्डर स’ गुजरैत पटनामे कच्ची दरगाहमे आयत. एहिठाम स’ बिदुपुरक बीच बनि रहल 6 लेन पुल स’ चकसिकंदर, महुआक पूरब होएत ताजपुर जायत। ओतय स’ दरभंगा एयरपोर्ट लग स’ गुजरैत जयनगरमे समाप्त होयत.
बिहारक पहिल एक्सप्रेस-वे औरंगाबाद-जयनगर सड़क ग्रीन फील्ड होयत. भारतमाला योजनाक अंतर्गत बनयवला एहि सड़कमे 80 प्रतिशत ग्रीन फील्ड राखल गेल अछि। ग्रीन फील्डक अर्थ अछि जे एहि कॉरिडोरमे 80 प्रतिशत नव सड़क होयत.

आधिकारिक अनुसार इ सड़क बिहारक लेल नार्थ-साउथ कॉरिडोरक काज करत। एहि सड़कक बनला स’ दक्षिण बिहार सोझे नेपाल स’ जुड़ि जायत। ट्रकक लेल इ सभ स’ उपयोगी सड़क होयत। खास क’ बिहार स’ नेपालक बीच सामानक आवाजाही आओर आसान भ’ जायत। एहि सड़कक एलाइनमेंट एहन राखल गेल अछि जे कम स’ कम जमीन अधिग्रहणक जरुरति पड़त। एकरा लेल पहिनहि स’ बनल ग्रामीण सड़कक सेहो उपयोग कयल जायत। वैशाली स’ समस्तीपुर एवं दरभंगा होएत नेपाल सीमा पर जा क’ जयनगरमे इ सड़क खत्म होयत। एहि तरहे फोरलेन बनयवला इ सड़क पटनाक अलावा औरंगाबाद, जहानाबाद, वैशाली एवं मधुबनी स’ भ’ गुजरत.

Tags: BihardarbhangaExpress-Way

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

चीनक विरुद्ध भारतक पैघ एक्शन, PUBG संग 118 मोबाइल ऐप पर बैन

Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

दरभंगा : राज्य स्तरीय बीएड संयुक्त प्रवेश परीक्षाक बाट साफ, 22 सितंबरके होयत परीक्षा

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि