रामबाबू
पटना। पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव घोषणा कएलक जे राजधानी स्थित सगुना मोड़सँ दानापुर स्टेशन केर मध्य नौ लेन सड़कक निर्माण सेंट्रल रोड फंड (सीआरएफ) केर राशीसँ बनाएल जाएत। अहि प्रोजेक्ट पर 72 करोड़ रुपैयाक खर्चा आओत। पंद्रह-पंद्रह मीटर केर दूटा सड़क बनाएल जाएत आऔर बीचमे पांच मीटर केर सेंट्रल वर्ज मेट्रोकें लेल छोड़ल जाएत। अहि प्रस्तावित काजके स्वीकारोक्ति हेतु आवेदन सड़क परिवहन एवं राजमार्ग मंत्रालयकें पठा देल गेल अछि। बेली रोड फ्लाईओवर लगिच पाटलिपुत्र जंक्शन धरि जाए वाला 1.85 किमी सड़कक चौड़ीकरण योजनाक शिलान्यासक अवसर पर पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव ई स्पष्ट कएलनि।
बिहटामे बनय वाला सिविल एयरपोर्ट केर ध्यानमे राखि कएक निर्णय लेल जा रहल अछि। सगुना मोड़ सँ बिहटा जाएमे जाम सँ फिरशानि नैS होय से ध्यानमे राखि कएको सड़क निर्माणकें योजना अछि। सगुना-खगौल रोडमे डीआरएम ऑफिसकें साथ वाला सड़क सेहो विकसित कएल जाएत। रेडिएंट स्कूलसँ रूपसपुर-उसरी चौककें बीच नव सड़क निर्माण कएल जाएत। शिवालासँ बिहटाकें बीच एलिवेटेड सड़कक डीपीआर पर सेहो काज शुरू भS गेल।
पथ निर्माण मंत्री कहलनि कि बेली रोडसँ पाटलिपुत्रा स्टेशन तक बनय वाला जे चारि लाइन वाला सड़कक शिलान्यास भेलाए से अहि वरख दिसम्बर धरि पुर भS जाएत। चौदह करोड़क लागतसँ निर्माण होमय वाला 1.85 किमी लम्बा सड़क पर अगिला मास सँ काज शुरू भS जाएत। अहि अवसर पर केंद्रीय मंत्री रामकृपाल यादव कहलनि कि बिहारक कएक प्रतीक्षित परियोजना केर प्रधानन्त्री मोदी अतिरिक्त राशि दS काज शुरू कराओल अछि। पाटलिपुत्र स्टेशन जाए वाला बाट एखन संकीर्ण अछि जे आब चौरगर भS जाएत।