दरभंगा । एहि हवाई सेवा के प्रारम्भ होयबा मे सह से पैघ बाधा छल रन वे क मजबूतीकरण जे आब दूर भ गेल अछि। एहि हेतु एएआई पचास कड़ोर क टेंडर केलक अछि ।काज पूरा करबाक अवधि पाँच मास छैक। ध्यातब्य अछि जे सुरक्षा क दृष्टिकोण से नागरिक उड़ान शुरू करबा से पूर्व रन वे क मजबूती करण क अनुशंसा कएल गेल छल जेकर परिप्रेक्ष्य में एयरपोर्ट आथेरिटी आफ इंडिया क पटना आ दिल्ली क संयुक्त टीम द्वारा एयरपोर्ट क निरीक्षण कयल गेल छल। एहि क्रम मे नव टर्मिनल क हिसाब से रन वे क रिमाडलिंग आ अन्य विषय सब पर विचार.कयल गेल। प्राप्त सूचनानुसार दरभंगा एयर पोर्ट क रन वे के वर्षों से मेंन्टिनेन्स नहि कैल गेल छल जकरा कारणे हवाई सेवा शुरू करबा सँ पूर्व ए ए आई टीम रन वे के ठीक ठाक राख चाहैत छल ।हवाई सेवा प्रारम्भ भेलाक बाद रन वे क री कार्पेटिंग कार्य से उड़ान मजबूती करण दुनू मे बाधा होयतैक आ वेशी समय, अनावश्यक परेशानी होईतैक. एहि समस्या सब पर विचारोपरान्त रन वे क मजबूती करण आ अन्य आवश्यक कार्य पूरा कयला पश्चाते सेवा शुरू करबाक निर्णय लेल गेल. आ एही कारणे जुलाई में सेवा शुरू नहि भ सकल। प्राप्त जानकारी के अनुसार एहि साल क अंत वा नव वर्ष क प्रारम्भ मे १८९ सीटर प्लेन सेवा दरभंगा से दिल्ली, बंगलोर आ.मुम्बई हेतु शुरू होयत।
दोसर दिस सूचना अधिकार क अन्तर्गत फन्त्रेश्वर झा द्वारा माँगल गेल जानकारी के आलोक मे एयर फोर्स ऑथोरिटी से प्राप्त सूचनानुसार अगिला वर्ष से हवाई यात्रा क सपना पूरा होयतन्हि।
ऑथोरिटी के महाप्रबंधक प्रदीप कुमार द्वारा २५ म ई के तिथि में पत्र द्वारा देर गेल जानकारी के अनुसारेँ एहि वर्ष दिसंबर धरि हवाई सेवा क तैयारी पूरा करने लेल जायत जेकर बाद सेवा शुरू कयल जायत।
पत्र क द्वारा प्राप्त सूचना नुसार ठिका देबाक प्रक्रिया पूरा भ गेल अछि। स्पाईस जेट कम्पनी के ई काज भेटलैक अछि। ध्यातब्य अछि जे भारत सरकार के रिजनल कनेक्टिविटी स्कीम के तहत हवाई सेवा लेल दरभंगा सेहो चयनित भेल छल।पहिले बेर के टेंडर में मात्र एक ठिकेदार शामिल भेला के कारणे टेंडर कैंसिल भी गेल छल ।
फोर लाईन सड़क सुविधा क कारणे राजधानी जेबाक लेल पूर्णिया, सहरसा, सुपौल, मधुबनी, सीतामढ़ी समेत आनों जिला कलेक्टर लोकसब लाभान्वित होता।