
प्रास्टेट, किडनी, ब्रांकईटिस, गाल ब्लाडर स्टोन,हाइपर टेंशन, डायबिटीज इत्यादि क जाँच पी. जी. आई चंडीगढ़ क प्रसिद्ध यूरोलाजिस्ट ( मुत्र रोग ) विशेषज्ञ डॉ संतोष कुमार, बाल रोग विशेषज्ञ डॉ भोला नायक, डॉ अमित कुमार, वरीय चिकित्सक डॉ विनोद पंजियार,डॉ सुमन नायक, डॉ राजेश कुमार, वरीय स्त्री रोग विशेषज्ञ डॉ मीना महासेठ, डॉ निर्मला कुमारी, वरीय पैथोलाजिस्ट ,डॉ लक्ष्मण महतो द्वारा जाँच,उपचार कयल गेल। शिविर मे रोगी मुफ्त चिकित्सा आ दवाई क लाभ लेलन्हि। उच्चस्तरीय व्यवस्था क सब केयौ प्रशंसा करैत गेलाह।
फाउंडेशन क अध्यक्ष प्रो अमर कुमार जनौलन्िह जे शिविर 28 तक रहत। लगातार तेसर वर्ष आयोजित एहि शिविर सँ आयोजक आ लाभुक सब खूब प्रसन्न छलाह। शिविर मे महिला पुरुष आ बच्च सब ल के 310 रोगी क इलाज कयल गेल।