पटना । चुनाव के दौरान हवा मे उडैत हेलीकॉप्टर देखि अगर अहां कए ओहि पर चढबाक इच्छा भ रहल अछि ओहि लेल नेता बनबाक निवार्यता आब नहि रहत। पाटलिपुत्र एयरक्राफट नामक कंपनी मात्र 2500 टका मे अहां लेल इ व्यनवस्थाि क रहल अछि। इ योजना शुरु भेला स नहि केवल अहांक बिहारक आसमान मे उडबाक सपना साकार होएत, बल्कि एहि स बिहार मे पयर्टन कए नव पंख लागि सकैत अछि। सब किछु ठीक रहल त सोनपुर मेला क अवसर पर इ योजना शुरु भ सकैत अछि। 500 फुट ऊपर स हरिहर क्षेत्र क अवलोकन अहां क सकैत छी। कंपनीक निदेशक हंस कुमार कहला जे कंपनी चारि सीट वाला एकटा हेलीकॉप्टार बिहार मे लोक कए आसमान मे घुमेबा लेल अनलक अछि। आर44 श्रेणी क हेलीकॉप्टइर पटना एयरपोर्ट पर पहुंच चुकल अछि। एकरा लेल स्थामनीय प्रशासन स वार्ता चलि रहल अछि आ उम्मीरद अछि जे सोनपुर मेला स एहि योजनाक शुभारंभ होएत। ओ कहला जे एक बेर मे तीन गोटे कए घुमाउल जाएत। जेकरा लेल बुकिंग शीघ्र शुरु होएत। ओ कहला जे सोनपुर क संग संग आन पर्यटन स्थाल लेल सेहो योजना तैयार कैल जा रहल अछि आ स्थाोनीय प्रशासन स अनुमति लेल वार्ता चलि रहल अछि। श्री कुमार कहला जे हवाई जहाज स बेसी सुवितगर हेलीकॉटर सेवा होइत अछि। उल्लेिखनीय अछि जे पर्यटनक नजरि स एहन सेवा बिहार मे पहिल बेर शुरु भ रहल अछि। श्री कुमार बतेलाह जे 10 मिनट क यात्रा लेल पर्यटक कए मात्र 2500 टका लागत, जखन कि 20 मिनटक यात्रा लेल 9050 टका वसूलल जायत। श्री कुमार कहला जे आधा घंटा लेल किराया 12500 टका राखल गेल अछि। एकर संगहि ओ कहला जे ओहन बच्चात कए कोनो टिकट नहि लागत जे सीट पर बैसबा योग्या नहि अछि। एहि सेवाक बुकिंग ट्रेवेल एजेंसी क माध्यीम स होएत, संगहि कंपनीक बेवसाइट पर सेहो एकर बुकिंग भ सकत। अगर इ योजना सफल रहल त सडक मार्ग क असुविधा स पर्यटकक बाट तकैत बिहार क पर्यटन स्थकल कए नव जीवन भेट सकैत अछि, संगहि एहि स जुडल युवा सब कए रोजगारक नव अवसर भेट सकैत अछि। बिहार लोक जीवन मे नव पंख लागि सकैत अछि।