केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह आब पूर्ण स्वस्थ भ’ गेल छथि आ हुनका अस्पताल स’ छुट्टी सेहो भेटि गेल अछि। आइ भोर अमित शाहके 12 दिन बाद एम्स स’ छुट्टी भेटि गेल। कोरोनाक बाद इलाजक लेल (पोस्ट कोविड केयर) अमित शाह एम्समे भर्ती छलाह। अखिल भारतीय आर्युविज्ञान संस्थान (एम्स) दिस स’ इ जानकारी देल गेल अछि।
गृहमंत्री अमित शाह हालमे कोरोना संक्रमित भेटल छलाह। मेदांता अस्पतालमे इलाजक बाद थकान आ देहमे दर्दक शिकायतक बाद एम्समे भर्ती कयल गेल छलाह. अमित शाहक इलाज एम्सक डायरेक्टर डॉक्टर रणदीप गुलेरियाक नेत्तृत्ववला टीमक देखरेखमे चलल।
55 सालक शाह 2 अगस्तके ट्विटरक माध्यम स’ देशके बतओने छलाह जे ओ कोरोना संक्रमित भेटलाह अछि। एकर बाद हुनका गुरुग्रामक मेदांता अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल। कोरोना रिपोर्ट निगेटिव अयबाक बाद हुनका एहिठाम स’ डिस्चार्ज कयल गेल छल।