• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सबसे बेसी अनुपात बला IDBI बैंक कए LIC क खूंट मे बन्हबाक तैयारी मे सरकार

June 30, 2018
in समाचार
A A

रामबाबू

नयी दिल्ली । केन्द्र सरकार देशमे सरकारी बैंकोंक एनपीए (NPA- Non Performing Assets) केर समस्याक निदान हेतु नव पहल शुरू कएलक अछि। सालक शुरुआतमे बैंक सभकें एनपीए मुक्त करयबाक लेल जनवरीमे केन्द्र सरकार 2.1 लाख करोड़ रुपैयाक रीकैपेटलाइजेशन प्रोग्राम केर मंजूरी देलक अछि। ओतय सर्वाधिक एनपीए अनुपात बला IDBI बैंककें देशक सभसँ पैघ इंश्योरेंस कंपनी लाइफ इंश्योरेंस कॉरपोरेशन ऑफ इंडिया (LIC) केर पल्ले बन्हबाक तैयारी कS रहल अछि।

एलआईसी मे देशक सर्वाधिक जनताक जमा-पूंजी अछि आऔर ओ प्रतिवर्ष अपन बचतसँ हजारों-लाखों रुपैया एलआईसी पॉलिसीमे जमा करैत अछि।अहि रुपैयाक आसे ओ अपन परिवारक भविष्य सुरक्षित रखैत अछि। मुदा आब केन्द्र एकटा सरकारी बैंककें जीवनोद्दार हेतु एकरा एलआईसी सँ गठजोड़ करय जा रहल अछि।अहिसँ स्पष्ट भ’ रहल अछि जे एलआईसी पॉलिसीकें नामसँ जे प्रतिवर्ष प्रीमियम जमा करैत अछि ओ रुपैया बैंककेँ डूबय सँ बचएबाक लेल प्रयोग कएल जाएत।

ई निर्णय कि देशमे एलआईसी ग्राहक सभक हितमे अछि? कि केन्द्र सरकारक ई निर्णय सँ कोन गारंटी IDBI केर एनपीए समस्याक निदान भ’ जेतै? आऔर अंतमे कि एहन निर्णय सँ एलआईसी ग्राहक सभक ओकर जीवनकालक सभसँ पैघ निवेश सुरक्षित रहि सकत?

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

वर्तमान समयमे देशकें 21 सरकारी बैंकमे सामिल IDBI बैंकमे केन्द्र सरकारक 85 प्रतिशत हिस्सेदारी अछि।वित्त वर्ष 2018 के’ दौरान केन्द्र सरकार अपन रीकैपिटलाइजेशन प्रोग्रामकें तहत बैंककें मदति करय लेल 10,610 करोड़ रुपैया देने छल। ओतय IDBI बैंक देशक बीमारू सरकारी बैंक सभमे सर्वाधिक एनपीए अनुपात बला बैंक अछि।

विगत किछु वरखमे बैंकिंग सुधारक नाम पर केन्द्र सरकार बीमार पड़ल सरकारी बैंक सभमे अपन हिस्सेदारी कम करबाक रणनीति पर काज कएलक अछि अहि रणनीतिकें तहत IDBI सँ हिस्सेदारी कम करब केन्द्र सरकारक लेल सभसँ सहज अछि कारण IDBI बैंक नैशनलाइजेशन एक्ट केर तहत नहि अबैत अछि आऔर हिस्सेदारी कम करय लेल कोनो तरहक कानूनी अड़चन केर सामना नहि करय पड़तनि।

ओतय देशक सभसँ पैघ जीवन बीमा कंपनी एलआईसी बहुत दिनसँ बैंकिंग कारोबारमे हाथ अजमाब’ चाहि रहल अछि। एकर प्रमुख कारण ओकरा लग पैघ मात्रामे कैपिटल पड़ल अछि जे देश भरि सँ बतौर प्रीमियम एलआईसी पॉलिसी के ग्राहकों द्वारा एकत्र कएल जाएत अछि। ओना पूर्वमे केन्द्र सरकार एलआईसी लग पड़ल अहि रुपैया बेसी कमाई लेल शेयर बाजारमे निवेश करय लेल मंजूरी देने छल। अहि निर्णय सँ सेहो एलआईसी ग्राहक पर जोखिम बढ़ि गेल छल।

स्वयं एलआईसी बैंकिंगमे प्रवेश हेतु पूर्वमे नहि केवल IDBI अपितु सभ सरकारी बैंकमे किछु हिस्सेदारी खरीद कS बैसल अछि। एहनमे जखन केन्द्र सरकार बैंकिंग सुधारक नाम पर IDBI केर हिस्सेदारी छोड़बाक पहल कS रहल अछि, त’ एलआईसी लेल सेहो स्वयंकेँ बैंक तैयार करबाक अवसर भेट रहल अछि।

केन्द्र सरकार अहि प्रस्ताव पर इंश्योरेंस रेगुलेटर सँ सम्पर्क शुरू क चुकल अछि। रेगुलेटर केर शुक्रदिन अहि सौदा पर निर्णय लबाक अछि। एखनुका समयमे बिना बैंककेँ सेहो एलआईसी लोन मार्केटक एकटा बड़का खेलाड़ी अछि। वित्त वर्ष 2017 के’ दौरान एलआईसी ने 1 ट्रिलियन रुपये सँ बेसी जे’ कर्जा बाजारकें देने छल आऔर अहि कर्जाकें निरंतर चलैत रहय तहिलेल ओ लगभग सभ सरकारी बैंकमे किछु ने किछु हिस्सेदारी खरीद कS रखने अछि। लेकिन जँ स्वयं बैंकक भूमिका मे आओत त’ वएह चुनौती एलआईसीकें आबि सकैत अछि जेना अधिकतर सरकारी बैंककें, डूबल कर्जक एनपीए केर जालमे ओझराएल अछि।. आ अहि बातक सेहो कोनो गारंटी नहि कि एलआईसी लग स्वतंत्र रूपसँ बैंक चलेबाक क्षमता अछि आऔर ओ जनताक रुपियाकेँ सुरक्षित रखबा लेल आओर बैंक सँ बेसी सक्षम अछि।

Tags: bankIDBILICNPA

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

भाषानीति मे सब मातृभाषाक सम्मान कयल जायतः मुख्यमंत्री

छात्रावृत्ति लेल छात्र बेहाल

दिसंबर तक सभटा लंबित परीक्षा कराओल जाय : कुलाधिपति

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि