समस्तीपुर. बिहारमे सरकार द्वारा शराब पीबय-पीयबाक आ ओकर बिक्री पर पूर्ण रूप स’ प्रतिबंध लगा देल गेल अछि. एकरा बादो मोनमाना शराब पीबाक काज जारी अछि आ एहन खबरि लगातार सुर्खी बनि रहल अछि. बिहार सरकार एकरा रोकबाक जिम्मेदारी जाहि पुलिसके देलक अछि ज’ ओ अपने एहिमे डूमि जाय त’ फेर कोना सरकारक द्वारा बनाओल गेल कानूनके लागू कयल जायत?
किछु एहने मामिला समस्तीपुर जिलामे देखबा लेल भेटल अछि, जतय एगो दारोगाके शराब पीबाक अपराधमे सस्पेंड होमय पड़ल.
बिथान थानामे कार्यरत एगो दारोगा द्वारा तीन युवकके बान्हि क’ छेड़खानीक आरोपमे जमि क’ पीटबाक वीडियो वायरल भेल छल. एहि मामिलामे समस्तीपुर पुलिसक कप्तान विकास वर्मन जांचक आदेश रोसड़ा एसडीपीओके देने छलाह. एहि स’ पहिने जे एसडीपीओ साहबक जांच रिपोर्ट अबैत ओहि स’ पहिनहि दारोगाक काण्ड सोशल मीडियामे फेर स’ वायरल भ’ गेल.
एहि बेर बिथान थानाक दारोगा अवधेश सिंह शराब पीबैत पकड़ल गेलाह. एगो फोटो वायरल भेल जाहिमे दारोगाजी वर्दीमे शराबक चुस्की लैत नजरि आबि रहल छथि. शराब पीबैत दारोगा केर वायरल फोटो पर पुलिस अधीक्षक विकास बर्मन शीघ्र कार्रवाई कयलनि आ अवधेश सिंहके निलंबित क’ देलनि. दारोगा अवधेश सिंहक शराब पीबैत वायरल फोटो पर स्थानीय लोक समस्तीपुर पुलिस अधीक्षक स’ मांग कयलनि अछि जे हुनका गिरफ्तार क’ जेल पठाओल जाय. लोकक कहब अछि जे जखन पुलिसे एहन कृत्य करत त’ आम लोकनि की करत?