समदिया
पटना । बिहार आ नेपालक बीच जलमार्ग तैयार भ रहल अछि। सडक रेल क बाद आब भारत आ नेपालक बीच जलमार्ग स सेहो कारोबार कए गति भेटत। एहि लेल गंडक मे ठाम ठाम बंदरगाह बनत। जानकारीक अनुसार बिहारमे जलमार्गकें विकास क लोक सभके कमाई होय ताहि दिशा मे जहाजरानी मंत्रालयकें अधीनस्थ भारतीय अंतर्देशीय जलमार्ग प्राधिकरण काज प्रारम्भ क देलक। अहि क्रममे पटनासँ गंडक नदीके जोड़ैत बाल्मीकिनगर धरि जलमार्ग विकसित कएल जाएत। करीब 300 किलोमीटर केर दूरीक अहि बाटमे नदीकेँ संरक्षित कS 700 टन धरिक भारी बला छोट जहाज चलेबाक योजना अछि।
अहिसँ सामानक ढोअब जतय सरल आऔर सुगम होयत ओतय मनोरम प्राकृतिक छवीक मध्यसँ होयत पर्यटक बिहारक रास्ते नेपाल स्थित हिमालयके लगीच पहुंच सकत। बिहार आ नेपालके मध्य व्यापार आ पर्यटन केर सेहो बढ़ावा होयत। गायघाट स्थित प्राधिकरण पटनाकें निदेशक एके मिश्रा ई जानकारी देलनि अछि।
निदेशक कहलखिन कि अहि बाट पर चैनल मार्किंग केर काज शुरू अछि। गंडकमे वाल्मीकिनगर धरि जलमार्ग विकसित होइतहि पटनाक गायघाट स्थित बंदरगाह सँ जुड़ि जाएत। एतय धरि हल्दिया आ बनारस जलमार्ग सँ आबय बला सामान आ पर्यटक सभके छोटकी जहाजके माध्यम सँ नेपाल धरि पठाओल जएबाक योजना अछि। नदी संरक्षण एवम विकसित होमय बला ई जलमार्ग पर जहाज सभक आवाजाहीमे बाधक बनय बला दू टा पुल केर विषयमे सेहो मंत्रालय कार्ययोजना तैयार करयमे लागल अछि। वाल्मीकिनगर आऔर डुमरिया घाट पर जहाज सभके रुकय लेल बंदरगाह बनाओल जाएत।
वाल्मीकिनगर बिहारकें पश्चिमी चंपारण जिलाक उत्तरी भागमे नेपालक सीमान लग पास बेतिया सँ करीब 100 किलोमीटर केर दूरी पर अछि। वाल्मीकि नगर भैंसालोटन केर नामसँ सेहो जानल जाएत अछि। गंडक नदीक कछेर आऔर हिमालय लग बसल ई नगर पर्यटन स्थल अछि। एतय एक गोट राष्ट्रीय उद्यान अछि। वाल्मीकि नगरमे बिजली उत्पादन केर लेल गंडक नदीक ऊपर एकटा बांध बनाओल गेल अछि जेकर उद्घाटन पूर्व प्रधानमंत्री पंडित जवाहर लाल नेहरू कएने छलाह। दोसर दीस पटना स्थित गांधी घाटक ठीक सोझामे कालू घाट पर टर्मिनल केर निर्माण कS कोलकाता एवम बनारस सँ आबय बला कंटेनर के’ एतय धरिसुरक्षित पहुंचेबाक योजना पर सेहो प्राधिकरण काज कS रहलाह अछि। विभाग केर अधिकारिक सूत्रकेँ कथन अछि कि अहि टर्मिनल निर्माणकें लेल राज्य सरकार सँ जमीन आवंटित करबाक मांग कएल गेल अछि।। कालू घाट पर टर्मिनल बनितहि एतय धरि पहुंचय बला जहाजक बड़का कंटेनर बला सामान के’ ट्रकसँ नेपाल धरि सड़क मार्ग सँ पठायब बहुत सहज होयत।