मधुबनी. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन झंझारपुर क अररिया संग्राम मे मुरली भेदी झा ट्रॉमा सेंटर क उद्घाटन केलिथ. एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहला जे इ ट्रॉमा सेंटर मधुबनी आ आसपास क जिला मे दुर्घटना क बाद घायल यात्री कए गुणवत्तापूर्ण उपचार क पैघ केंद्र बनत.
उल्लेखनीय अछि जे एहि ठाम समुदायिक स्वास्थ्य केंद्र कए उच्चस्तरीय ट्रॉमा सेंटर क रूप मे विकसित करबा लेल जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा आ उनके परिवार 2014 मे राज्य सरकार कए जमीन देने छल. श्री झा क निरंतर प्रयास स एकर निर्माण कार्य पूरा भ सकल. एकर नाम सेहो संजय कुमार झा क पूर्वज मुरली भेदी झा क नाम पर रखल गेल अछि.
संजय कुमार झा कहैत छथि जे एनएच 57, जे ईस्ट-वेस्ट कॉरिडोर क व्यस्ततम भाग अछि, पर दरभंगा स पूर्णिया क बीच कोनो ट्रॉमा सेंटर नहि छल. दुर्घटना मे गंभीर रूप स घायल कए त्वरित चिकित्सीय सुविधा नहि भेटैत छल. ट्रामा सेंटर क शुरू भ गेला स आब स्थानीय लोकक संग हाईवे स गुजरनिहार लोक कए सेहो राहत भेटत. ओ कहला जे जल्द एहि ठाम विशेषज्ञ चिकित्सक आ अन्य स्टाफ क स्थाई बहाली होएत.
उल्लेखनीय अछि जे एहि ट्रामा सेंटर मे 73 पद क सृजन कए राज्य मंत्रिमंडल नवंबर 2019 मे मंजूरी द चुकल अछि. जाहि मे दो जनरल सर्जन, दो ऑर्थोपेडिक सर्जन, दो एनेस्थेसिया विशेषज्ञ, 6 आकस्मिक चिकित्सा पदाधिकारी, 25 ग्रेड-ए स्टाफ नर्स, 4 रेडियोग्राफर, 5 ओटी टेक्निशन, 2 लैब टेक्निशन, 12 निम्नवर्गीय लिपिक और 13 सहायक कर्मचारीक नियुक्ति कैल जायत. एहि 73 पद क सृजन पर अनुमानित वार्षिक व्यय 3,76,27,584 रुपये होएत.