विनीत ठाकुर
मधुबनी। जिला मध्य मिथिला चित्रकला क गढ़ जितवारपुर गाम राज्य क पहिल इंटरनेशनल क्राफ्ट गाम बनत।एहि हेतु लगभग दस करोड टाका खर्च होयत। केंद्रीय टीम द्वारा एकर डी पी आर तैयार कय वस्त्र मंत्रालय केँ स्वीकृति हेतु पठाओल गेल अछि । सूचनानुसार एहि गाम मे सब तरहक सुबिधा यथा गेस्टहाऊस, कैफेटेरिया सह फूड कोर्ट, वेलनेस सेंटर, टॉयलेट कॉम्प्लेक्स इत्यादि पर करीब एक करोड़ छप्पन लाख टाका खर्च करबाक योजना अछि।म्युजियम आ पुस्तकालय पर क्रमशः १५ आ १३ लाख टाका खर्च होयत। गांँव मे लगभग-लगभग २०० ओपन आडिटोरियम बनत।पोखरि आ मंदिर क रेनोवेशन पर १७ लाख२० हजार खर्च करबाक योजना अछि। घर सबहक देवाल पर वाटर प्रूफ पेंटिंग हेतैक।पानि, बिजली सहित अन्य आधारभूत सुबिधा उपलब्ध कराओल जायत। फलदार वृक्षारोपण,बाई पास सड़क,सब मोड़ पर प्रवेश द्वार, सब यूनिट मे प्रवेश करबाक जगह, सब कॉमन फैसीलिटी वाला जगह पर साईनेज लगेबाक अतिरिक्त चिल्ड्रेन पार्क के विकास क योजना अछि जाहि पर दस लाख टाका क लागत आओत। सब सुबिधा संपन्न ट्रेनिंग सेंटर बनत जाहि मे कलाकार सब केँ नव डिजाइन क ट्रेनिंग देल जायत। एहि पर पचास लाख क लगाइत खर्च होयत।
योजना मे गाँव क सौन्दर्यीकरण पर पूरा ध्यान राखल जायत। जलापूर्ति, सिवेज सिस्टम, बाढ़ि क पानि केँ नियन्त्रण क सुबिधा विद्युतिकरण, प्रकाश व्यवस्था हेतु अलग ट्रान्सफर्मर आदि क व्यवस्था होयत।गामक रास्ताक दुनू दिश पाथ वे आ बिचला भाग में कम ऊँचाई वाला देवाल बनौल जायत।। ध्यातब्य अछि जे देशक ई पहिल गाँव अछि जतय तीन तीन पदमश्री पुरस्कार विजेता छथि आ कतेको स्टेट अवार्ड विजेता छथि।