• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कोसी फिल्‍म फेस्‍टीवल – कोसी मे सिनेमा तकबाक प्रयास

September 18, 2018
in समाचार
A A

सहरसा । आगामी 10-11 नवंबर कए सहरसा मे फिल्‍म फेस्‍टीवल क आयोजन कोसी क्षेत्र कए लोग कए खाली सिनेमा देखेबाक लेल नहि होएत । ई आयोजन होएत कोसी क्षेत्र मे सिनेमा क भविष्‍य तकनाय पर । ई आयोजन होएत लोकभाषा आ लोककला क संरक्षण क लेल । ई आयोजन होएत कोसी क ओ कलाकार कए गामक मोन पड़ेबाक लेल जे मुंबई क मायानगरी मे भटैक कए गामक रस्‍ता बिसैर गेल छल । ई आयोजन होएत कोसी क ओ कलाकार कए फेर से एक बेर पहचान दिएबाक लेल जे सिनेमा क लेल कहियो अपन सर्वस्‍व लुटेने छल । ई आयोजन होएत कोसी क युवा कए एक मंच पर अनबाक लेल जे जीवन क भागादौड़ी मे खाली सोशल मीडिया पर जुटान करैत छथि ।

कोसी शुरूए स ज्ञान क भूमी रहल अछि, एक से एक विचारक आर ज्ञानी मनुख क ई जन्‍मस्थली आऔर कर्मस्‍थली रहल अछि । फेर चाहे गप पूर्व मीमंसा आओर अद्वैतवाद क प्रखर विद्वान मंडण मिश्र क होए, वा विदुषी भारती क । लोकदेवता कारू खिरहरि क होए वा परम संत लक्ष्‍मीनाथ गोसाई क । कोसी नहि केवल ज्ञान क विपुल भंडार रहल छल अपितु राजकमल चौधरी, मनोरंजन झा, मायानंद मिश्र, आओर महाप्रकाश, साकेतानंद जेहन साहित्‍य सेवी क धरती सेहो रहल छल, जे अपन अनुपम ज्ञानक खजाना से संपूर्ण जगत कए रौशन केने छथि । कला क क्षेत्र मे जों गप करी त ई मांगैन खबास, पंडित रधु झाक संग, बनैली क कुमार आऔर शास्‍त्रीय संगीत क मर्मज्ञ श्यामानंद सिंह क धरती सेहो रहल अछि । आधुनिक युग में सेहो ई सुशांत सिंह राजपूत, राजशेखर, उल्‍का गुप्‍ता, पंकज झा, राहुल सिन्‍हा, रामबहादुर रेणु आदि कलाकार कए जनमेले अछि ।

एहि धरती पर कोसी क पहि‍ल फिल्‍म फेस्‍टीवल क आयोजन दिनांक 10-11 नवंबर कए सहरसा मे होमय जा रहल अछि । एहि फिल्‍म फेस्‍टीवल क माध्‍यम से कोसीक कला, संस्कृति, ज्ञान आऔर लोकभाषा क विस्‍तार त भेटबे करत संगे संग कोसी मे फिल्‍मक संभावना पर सेहो चर्चा होएत । एहि आयोजन मे 10-11 तारीख तक विभिन्‍न प्रकार फिल्‍म दर्शक कए देखाओल जाएत आ फेर ओहि फिल्‍मक मादे परिचर्चा सेहो होएत । एहि परिचर्चा सए युवा कए सिनेमा क बारीकी बुझबा मे आसानी होएत संगे आयल अतिथि कोसी मे सिनेमा क भविष्‍य क प्रति सेहो आश्‍वस्‍त भए सकत ।

आयोजक कमीटी जनतब देलथि जे बिहार क सभ कलाकार स गप करबाक प्रयास कैल जा रहल अछि आ उम्‍मीद अछि जे सब कलाकार शामिल भए सकय । पंकज झा, अखिलेन्‍द्र मिश्र, सतीश सिंह राजपूत आदि अभिनेता सेहो कोसी फिल्‍म फेस्‍टीवल मे शिरकत करत ।

आयोजन लेल फिल्‍म क एंट्री एहि लिंक से ( https://filmfreeway.com/koshifilmfestival ) होएत । इक्षुक फिल्‍ममेकर एहि लिंक पर जाकए अपन फिल्‍म एंट्री कए सकैत छथि ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बेस जानकारी लेल फेस्‍टीवल क पेज https://facebook.com/koshifilmfestival पर विजिट कैल जा सकैत अछि ।

Tags: Cinemafilmfilm festivalkoshiKOSHI FILM FESTIVALMaithili Film

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

खंडूरी केर अनायास पदच्युत करब प्रतिरक्षाक कमीकेँ झाँपब अछि? 

कर्जामे डूबल आईएल एंड एफएस पर केंद्र सरकार कएलक कब्जा

इंटरनेशनल क्राफ्ट्स अवॉर्ड्स लेल एंट्री शुरू, 30 अक्‍टूबर धरि करू आवेदन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि