विनीत
मधुबनी। मधुबनी खादी आयोग क संकट समाप्त होएबा क करीब अछि । एकर शुरूआत एतए स्थित खादी विद्यालय क संचालन प्रारम्भ कए कयल जायत आ विद्यालय रोजगार सृजन क केन्द्र बनि जायत।
एतय अपन जिला क संग अन्य जिला क महिला/ पुरुष सब के रोजगार क अबसर उपलब्ध कराओल जायत। खादी क अतिरिक्त अन्य क्षेत्र मे सेहो हुनका के सब अपन स्वरोजगार करबाक अबसर प्राप्त होयतन्हि। खादी ग्रामोद्योग बोर्ड आ खादी आयोग क संयुक्त प्रयास से राज्य क तीन जिला मे खादी विद्यालय पुनः करबा क निर्णय लेल गेल अछि। मधुबनी जिला मे दूहजार से अधिक महिला के चरखा चलौनाई कताइ, बुनाई,रंगाई क संग अन्य कुटीर उद्योग क पढ़ाई विद्यालय मे करेबाक योजना छैक। एहि सबहक अतिरिक्त महिला सबके अन्य तकनीकी आ आधुनिक जानकारी सेहो विद्यालय सब मे देल जायत।
प्रथम चरण मे जिविका समूह सब के विद्यालय मे पढाओल जायत। कोर्स एक वर्ष क हेतैक जाहा मे क्लास अध्ययन , रूम ट्रेनिंग आ आन जाब ट्रेनिंग देल जेतैन्ह। अध्ययन पश्चात समूह के के वाई सी से निबंधित कयल जायत जाहि सँ खादी संस्थान सदृश सुबिधा समुहो सब के भेट सकैय। समूह घर घर के खादी से जोड़बा क काज करत ।एक वर्ष मे पाँच हजार से अधिक परिवारक आजीविका क माध्यम बनक। एहि हेतु पचास करोड़ से अधिक क वजट बनाओल जा रहल अछि। सरला देवी, जिला मंत्री, खादी ग्रामोद्योग, मधुबनी, अपन विचार व्यक्त कयल जे नई खादी नीति आ खादी विद्यालय में पढ़ाई क शुरुआत भेला सँ हजारो बेरोजगार के रोजगार भेटतैन जाहि सँ जीवन स्तर मे सुधार आ गांव क सर्वांगीण विकास होयत ।