मधुबनी। जिला क बेनीपुर अनुमंडल अंतर्गत रानीपुर मतरहरी आ नजरा अवस्थित महाराजी बाँध क निरीक्षण.जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक आ एस.पी. श्री दीपक वरनवाल संयुक्त रूपेँ कयलन्हि आ आगत बाढि से सुरक्षा हेतु उपस्थित संबंधित पदाधिकारी सब के आवश्यक निर्देश देलन्हि। पदाधिकारी सब रानीपुर मतरहरी क ओहन जगह सबहक सघन अवलोकन कयलन्हि जतय जल संसाधन विभाग आ बाढ नियंत्रण.प्रमंडल अधिकार क्षेत्र क बहना बनाय पेँच फसौने छलाह आ १५ वर्ष से एहि डेढ कि.मी.मे एको टोकरी माटि नहि खसौने छलाह। ध्यातब्य अछि जे ई भू-भाग रानीपुर गाँव क मूहेँ पर अछि आ.बाढि अबितहि सबसे पहिने जलमग्न भ जाईत अछि। भारी जल दबाब क.कारणे अगल बगल क बाँध सब के तहस नहस क दैत छैक जेकर संख्या विगत बाढि मे मात्र.बेनीपट्टी प्रखंड मे २३ छल।
समप्रति मरम्मति काज बलुआही.माटि से.कराओल गेलैक अछि तेँ एकर संगे उच्चीकरण काज परसेहो सवाल उठाओल जा रहल अछि। निरीक्षण क क्रममे जिला पदाधिकारी कयल गेल काज सबहक गुणवत्ता पर अप्रसन्नता व्यक्त करैत बाढ नियंत्रण.प्रमंडल, झंझारपुर.क एक कनीय अभियंता आ संवेदक जे सरकार क कड़ोरो टाका वर्वाद कयलन्हि अछि हुनका विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करेबाक कार्रवाई कयल जैत। जिला पदाधिकारी , एस डी एम मुकेश रंजन एहि डेढ़ कि.मी. भूभाग मे उच्चीकरण करेबाक निदेश देल। आस पास क तीन संवेदनशील स्थल के चिन्हित कय २५।सौ पाली बैग देबाक निदेश सी ओ पी. के. सिंह.के देल। बाँध पर सिंचाई आ.मरमम्ति काज क अतिरिक्त वाहन परिचालन पर रोक सहित अन्य सुरक्षा संबंधी निदेश. उपस्थित.पदाधिकारी सब के देल गेल।