• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मैथिली भाषा मे पढ़ाई लेल दरभंगा प्रमंडलक स्कूल सीबीएसई कए पठाओत स्मार-पत्र

December 16, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
सीबीएसई संग यूजीसी मे सेहो आयल मैथिली : सीपी ठाकुर
रोशन मिश्रा 
दरभंगा । प्राईवेट स्कूल एसोसिएशन क अध्यक्ष डॉ. आब्दी कहला अछि जे बहुत जल्‍द सीबीएसई स्‍कूल मे मैथिलीक पढाई शुरु भ जायत। ओ कहला जे दरभंगा प्रमंडलक क समस्त सीबीएसई स मान्‍यमा प्राप्‍त विद्यालय बारहवीं तक मैथिली भाषाक पढ़ाई सुनिश्चित करबा लेल विद्यालय स्तर सं यथोचित स्मार पत्र पठाओत। सीबीएसई मे आठवीं कक्षा तक क पढ़ाई संबंधी माननीय केन्द्रीय मंत्री प्रकाश जावड़ेकर क पत्रक आ सीबीएसई क गाइडलाइन के अनुसार स्‍कूल अपन प्रस्‍ताव बोर्ड कए पढा रहल अछि।
डॉ डॉ. आब्दी डॉ. सीपी ठाकुर आ बैद्यनाथ चौधरी बैजू कए आभार व्यक्त कयलन्हि आ मैथिलीक पढ़ाई जल्दी सं जल्दी प्रारंभ करबाक हेतु सब विद्यालय के तरफ सं यथोचित सहयोग के प्रतिज्ञता दोहरौलनि।
उल्‍लेखनीय अछि जे शनिदिन मैथिली कए अष्टम अनुसूची मे शामिल भेलाक बाद मैथिली विषय के सीबीएसई के पाठ्यक्रम में शामिल करेबा में प्रभावशाली भूमिका हेतु वर्तमान राज्यसभा सांसद आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री पद्मश्री डॉ. सी. पी. ठाकुर केर शनिदिन दरभंगा में नागरिक अभिनन्दन कयल गेलन्हि। विद्यापति सेवा संस्थान आ महात्मा गांधी शिक्षण संस्थान के संयुक्त तत्वावधान सं आयोजित सम्मान समारोह में पद्मश्री डॉ. ठाकुर के मिथिलाक परम्परा केर अनुरूप पाग आ चादर सं सम्मानित कयल गेल आ ताम्रपत्र पर उल्लिखित अभिनंदन पत्र समर्पित कयल गेल।
सम्मान समारोह के संबोधित करैत डॉ. ठाकुर कहलनि जे मिथिला केर संग हुनक मां-बेटा के संबंध छनि। ओ कहलथि मैथिली हमर माय के भाषा अछि आ मैथिली के विकास के लेल जे बनि पड़ल ओ केलहुं आ आब अगिला पारी में मिथिला के सर्वांगीण विकास केर लेल कृत-संकल्पित रहब। एहि यात्रा में मिथिला के पारंपरिक रोजगार केर पुनर्जीवित करय के काज होयत, जाहि के तहत आम, पान, मखान, मांछ आदि के खेती जे बदहाली के दौर सं गुजरि रहल अछि ओकरा खुशहाल कयल जायत। सीबीएसई के पाठ्यक्रम में मैथिली के शामिल होबय सं मैथिली के राज्य सरकारक पाठ्यक्रम में एबाक आ समस्त मिथिला में रोजगार के अनेकानेक नव अवसर स्वत: उपलब्ध भय गेल अछि।
संगहि डॉ. ठाकुर कहलाह जे ई संभावित अछि जे मैथिली के एहि सत्र सं बारहवीं तक के पाठ्यक्रम में जोड़बाक संग यूजीसी में शामिल  होबाक सूचना सेहो अहांसबके बहुत जल्दिए भेटत।
पद्मश्री डॉ. ठाकुर के सम्मानित करैत विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव आ पूर्व प्रधानमंत्री भारतरत्न स्व. श्री अटल बिहारी वाजपेयी के स्वर में “मिथिलाक हनुमान” डॉ. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ कहलथि जे मिथिला आ मैथिली के परवान चढाबय में पद्मश्री डॉ. सी. पी. ठाकुर 90 के दशक सं लागल छथि आ हुनके सतत सक्रियताक कारण आई मैथिली केर पुनर्जीवन भेटल। मैथिली के अष्टम अनुसूची में शामिल करेबा सहित सीबीएसई के पाठ्यक्रम में शामिल करेबाक लेल समस्त मिथिलावासी के तरफ सं हमसब कृतज्ञ छी। एकटा पुरान घटना के चर्चा करैत
बैजूजी कहलनि जे 1999 में विद्यापति सेवा संस्थान द्वारा आयोजित “मिथिला विभूति पर्व समारोह” में डॉ. साहब प्रण लेने छलथि कि आब हम एहि मंच पर दुबारा तहिए आयब जहिया मैथिली संविधान के अष्टम अनुसूची में स्थान पाओत आ अपन लेल प्रण के पूरा करेलाके पश्चात ओ दुबारा एहि मंच पर 2004 में एलाह।
डा. बैजू मिथिला आ मैथिली के विकास के लेल महात्मा गांधी शिक्षण संस्थान के निदेशक हीरा कुमार झा आ मैथिली सेवी आ भारत निर्वाचन आयोग के दरभंगा के आइकन श्री मणिकांत झा द्वारा कयल गेल काज सबहक विस्तृत चर्चा करैत कहला कि हिनक योगदानक जतेक प्रशंसा करी ओ कम होयत। ओ कहलथि जं एहि “हीरा-मणि” के सतत सहयोग नहिं भेटल रहैत त एतेक पैघ लक्ष्यक पूर्ति हमरासबसं कठिन छल।
एमएलएसएम कॉलेज के प्राचार्य डॉ. विद्यानाथ झा के अध्यक्षता में आयोजित एहिपर समारोह के संचालन मैथिली भाषा साहित्य में हास्य सम्राट के नाम सं विख्यात डॉ. जयप्रकाश चौधरी ‘जनक’ कयलथि आ धन्यवाद ज्ञापन विद्यापति सेवा संस्थान के स्वागत महासचिव श्री जीवकांत मिश्र कयलथि।
भारतीय जनता पार्टी के दरभंगा जिलाध्यक्ष अपन चिर-परिचित अंदाज में पद्मश्री डॉ. ठाकुर आ बैजू जी संग अभियान सं जुटल अभियानी सबके प्रति आभार व्यक्त कयलन्हि आ डॉ. ठाकुर के मिथिला-मैथिली के लेल चिकित्सा सं लय समस्त योगदान के लेल कोटि-कोटि धन्यवाद आ अभिनंदन कयलन्हि।
संस्थागत रूप सं मिथिला विभूति सं सम्मानित चेतना समिति, पटना के अध्यक्ष श्री विवेकानंद झा समिति केर उपलक्ष्य में ओ सम्मान ग्रहण कयलथि आ मिथिला-मैथिली आंदोलन में पद्मश्री डॉ.ठाकुर संग बैजू जी के आभार व्यक्त करैत हुनक योगदानक चर्चा कयलन्हि।
समारोह में विनोद कुमार झा, पंडित विनय झा, डॉ. गणेशकांत झा, एमएमटीएम कालेज के प्रधानाचार्य श्री उदय चन्द्र मिश्र, प्रवीण कुमार झा, श्री आशीष चौधरी, श्री चंदन कुमार सिंह, मणिभूषण ‘राजू’, श्री चन्द्रशेखर झा ‘बूढ़ाभाई’, श्री चन्द्रमोहन झा ‘पड़बा’, श्री सुजीत मिश्रा संग अनेकानेक विद्यालय के निदेशकगण एवं प्रधानाचार्यगण आ मिथिलावासी उपस्थित छलाह।
Tags: bpscCBSEcp thakurmaithiliUGCupsc

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मैथिली सहित सभटा भारतीय भाषा मे जवाब देत Vokal

मैथिलीक विकास मे मुसलमानक योगदान ककरो स कम नहि : मंजर

बिहार मे खुलत अंतरिक्ष अनुसंधन संगठनक शाखा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि