• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

भारतीय रंग महोत्सव मे भेटल मैथिली कए स्‍थान

January 14, 2016
in समाचार
A A

मंचित होएत चन्द्रनाथ निर्देशित जानकी परिणय

नई दिल्ली । 6 फरवरी क सांझ 6 बजे जखन राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय क सभागार क परदा उठत त मैथ‍िली क इतिहास मे एकटा स्वर्णीम पन्ना जुड़ि‍ जाएत । जी हाँ, 6 फरवरी क सॉंझ मैथ‍िली फेर से एकटा नव इतिहास लिखत । पहिल बेर भारतीय रंग महोत्सव मे कोनो मैथ‍िली नाटक क मंचन होएत । मैलोरंग निर्देशक आ मैथ‍िली एक्टीविस्ट ‘प्रकाश झा’ क अथक प्रयास आखि‍र सफल भेल आ मैथ‍िली कए भारंगम मे जगह भेटल ।  एहि महोत्सव मे मैथ‍िली नाटक ”जानकी परिणय” क मंचन होएत जे मुख्य रूप से सीता राम विवाहक कथा प्रसंग अछि जेकरा कला रूप मे प्रस्तुति कैल जाएत ।

Mailorangमैथिली लोक रंग क स्थापना सन् 2005 भेल छल एकर मूल उद्येश्य मिथिला क्षेत्र मे व्याप्त अमूर्त सांस्कृतिक विरासत आ विविध सांस्कृतिक परम्परा ( जेना – कथासंकीर्तन, नटुआनाच, रसनचौकी, पमरिया, कीर्तनिया, विदापत, जटजटिन आदि ), मिथिला चित्रकला, नाट्यकला; आ एहने विधा स जुड़ल शिल्प आदि कए अनुशंधान, संरक्षण, संवर्धन, प्रशिक्षण, प्रसारण आ हुनकर प्रलेखण अछि । मिथिलाक अमूर्तकला आ सांस्कृतिक उपक्रम कए आधुनिकताक अंधानुकरण से सुरक्षित रखि‍कए विश्व फलक पर एकर उपस्थिति कए अंकित करबाक लेल प्रतिबद्ध प्रतिष्ठाण अछि । विगत साल मे मैथिली लोक रंग भारत क विभिन्न शहर आ महत्वपूर्ण महोत्सव मे अपन गरिमामयी उपस्थिति त दर्ज करेने अछि संगे पड़ोसी देश नेपाल मे सेहो समय समय पर भागिदारी दैत रहल अछि । वरीष्ठ रंगकर्मी श्री प्रकाश झा क मार्गदर्शन मे मैथिली लोक रंग अपन कार्य पद्धति वा सक्रियता स कि‍छुए साल मे राष्ट्रीय छवि स्थापित कए चुकल अछि ।

जानकी परिणय प्रस्तुति मे मुख्य रूप से सीता राम विवाह प्रसंग कए कथा संकीर्तन कलारूप मे प्रस्तुत कैल जाएत अछि । मिथिला मे कथा संकीर्तन क परम्परा आदिकाल से चलल आबि रहल अछि । संस्कृत नाटकक अवसानक बाद संस्कृत भाषा कए मैथिली मे चलल आबि रहल कथा संकीर्तन क परम्परा कए संग समावेशित कैल गेल । एहि दुनू क समंवय से मिथिला क समृद्ध नाट्य परम्परा कीर्तनिया नाट्यक जन्म भेल छल । कीर्तनिया नाट्य शैली मे संवाद प्राय: संस्कृत भाषा मे आ संगीत मैथिली भाषा मे वा प्रस्तुति कथा संकीर्तन क रूप मे शुरु भेल । मिथिला मे इ प्रयोग एतेक सशक्त भेल कि कीर्तनिया नाट्य परम्परा अखैन धरि अपन मजबूत उपस्थिति बनेने अछि । ओना आइयो प्राय: सभटा जनपद मे कथा गाबय क परम्परा कोनो – न – कोनो रूप में विद्यमान अछि । मुदा, सभ क्षेत्र मे इ अपन – अलग रूप अख्तियार केने छल । मुदा, मिथिला मे कथा संकीर्तन क परम्परा एकरा स भिन्न अछि ।

Mailorang Team

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कथा संकीर्तन शैली मे प्राय: कोनो पौराणिक कथा कए मूल कथ्य क रूप में लेल जाएत अछि । अभिनेता अपन सभटा संवाद अपने कवित्त रूप मे नृत्य करैत गाबैत अछि, फेर ओकरे संवादो मे बाजैत अछि । इ एकटा मोहक आ उर्जावान प्रस्तुति होएत अछि । एकरा मे मूल गायक व्यास से संज्ञापित होएत अछि । व्यास क कि‍छु सहायक होएत अछि, जे मूल गायकक संग संवाद क रूप मे गायन करैत अछि । गायक क संग वाद्ययंत्रवादक क मण्डली होएत अछि । कि‍छु अभिनेता होएत अछि, जे स्वरूप कहाबैत अछि, जेकर काज व्यास क गायन कए दृश्यबंद रूप मे प्रस्तुत करब होएत अछि । सखी क रूप मे अभिनेता गायन क संगे अभिनय सेहो करैत अछि ।

मिथिला कथा संकीर्तन मे कैक तरहक विशेषता अछि । एहि मे अभिनेता अपन तीनू कलाक प्रदर्शन करैत अछि – अभिनय, गायन आ नृत्य । रंगप्रशिक्षण क लेल इ एकटा अप्रतिम विधा अछि ।

एहि कथा संकीर्तन क निर्देशक छथि‍ गौसनगर निवासी मुख्य कथा व्यास चन्द्रनाथ चौधरी । श्री चौधरी सत्तर क उम्र मे सेहो अपन गायकी कए लए ओतने उर्जावान अछि, जतेक अपन युवाकाल मे छल । गायन मे हुनका रूचि बचपने से छल । बिहारक मधुबनी जिला अंतर्गत खिरहर ग्राम निवासी पण्डित हरिदास महात्मा जी से ओ कथा गायन क प्रशिक्षण लेलथि‍ । लगभग बीस साल तक पं. हरिदास महात्मा जी क संग कथा संकीर्तन क बारिकी कए बुझलथि‍, फेर महावीर मानस मण्डली नाम स स्वतंत्र संगठन सेहो स्थापित केलथ‍ि । पं. चन्द्रनाथ चौधरी जी कैकटा युवा कए कथा संकीर्तन विधा से जोड़लथि‍ । रवीन्द्र चौधरी हिनकर प्रिय शिष्यों मे से एक छथि‍ । हिनकर पुत्र सुनील चौधरी जी सेहो एहि विधा मे लागल छथ‍ि । सम्पूर्ण मिथिला क्षेत्रक विभिन्न ग्रामांचल मे अपन प्रस्तुति तो ओ देने छथ‍ि संगे दरभंगा, जनकपुर (नेपाल), जामनगर, महाराष्ट्र, गुजरात आदि शहर मे सेहो कथा संकीर्तन क प्रस्तुति देने छथि‍ । मिथिला समाज मे संत परम्परा क प्रचारक रहल पं. चन्द्रनाथ चौधरी लगातार नौ दिन / पन्द्रह दिन तक नवाह आयोजन करैत रहैत छथि‍ । अपन मातृभूमि मिथिला वा कथा संकीर्तन विधा क प्रति श्री चौधरी आत्म समर्पित छथ‍ि ।

जानकी परिणय ( कथा संकीर्तन ) पात्र परिचय  एना अछि

व्यास : पं. चन्द्रनाथ चौधरी

अभिनय दिग्दर्शन : मुकेश झा

गायन सहायक : सीताराम चौधरी, देवेन्द्र चौधरी, मुनमुन ठाकुर, दिनेश मिश्र राजीव रंजन, दीपक ठाकुर, पुष्पा झा, रानी आ ज्योति झा.

सखि : रवीन्द्र चौधरी, कृष्णचन्द्र चौधरी, संतोष कुमार, मनोज पाण्डेय, ऋतुराज, संजीव, नितीश आ अमित

स्वरुप : अमरजीत राय, निखिल कुमार, प्रवीण कुमार आ अनिल मिश्रा.

वाद्य यंत्र : हारमोनियम : चन्द्रेश्वर चौधरी. नाल : रामशंकर चौधरी, कृष्णचन्द्र चौधरी. ऑर्गेन : कृष्णचन्द्र चौधरी. तबला : रामशंकर चौधरी.

प्रकाश व्यवस्था : श्याम साहनी

प्रचार – प्रसार : दीपक यात्री, आ संजीव ‘बिट्टू’.

मंच सज्जा : अमरजी राय, आ दीपक ठाकुर.

वस्त्र विन्यास : अमरजी राय, बिन्दु चौहान आ नीरा कुमारी.

मुख सज्जा : सत्या मिश्रा, मुकेश झा आ पुष्पा.

नृत्य संयोजन : रमण कुमार आ पूजा प्रियदर्शनी.

प्रस्तुति नियंत्रण : मुकेश झा आ कौशल कुमार

मंच प्रबंधन : मनोज पाण्डेय, आ मायानंद झा,

प्रस्तुति नियंत्रण सहायक : दीपक यात्री, ज्योति झा, आ रमण कुमार.

प्रस्तुति पर्वेक्षक : डॉ. कमल मोहन चुन्नू आ अनुराधा झा.

प्रस्तुति संयोजन : प्रकाश चन्द्र झा.

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मनाओल गेल कविश्वर चन्दा झाक अवतरण दिवस

Esamaad Epaper Website

LMNU में पढ़ाओल जाएत विदेशी भाषा

Esamaad Epaper Website

बडका पुल स फेर स चमकत मुसरीघरारी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि