मधुबनी. ‘दिल्ली हाट’ क तर्ज पर झंझारपुर क अररिया संग्राम मे ईस्ट-वेस्ट कोरिडोर (एनएच 57) क बगल मे ‘मिथिला हाट’ क मंगलदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शिलान्यास केलिथ. स्थल पर एकर निर्माण कार्य बुधदिन स शुरू भ गेल.
एहि मौका पर मुख्यमंत्री कहला जे मिथिला द कए जा रहल पर्यटकक लेल इ ‘मिथिला हाट’ आकर्षण क एक प्रमुख केंद्र बनत. मिथिला क कला-संस्कृति क संवर्द्धन मे इ पैघ भूमिका निभाउत. एकर माध्यम स मिथिला क कलाकार अपन उत्पाद कए भरि साल सुविधाजनक ढंग स प्रदर्शनी आ बिक्री क सकताह.
जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा अपन एहि ड्रीम प्रोजेक्ट क संबंध में कहैत छथि जे एहि मे 50 स्टॉल, कार्यालय भवन, भंडार गृह, कला-प्रदर्शनी भवन, सभागार, ओपन एरिया थिएटर, फूड स्टॉल, डोरमेटरी, पार्किंग इत्यादि क व्यवस्था होएत. बिहारआ केंद्र सरकार क दिस स समय-समय पर मेला आ प्रदर्शनी क आयोजन होएत. मिथिला हाट मे पर्यटकक आवाजाही बढ़बा स मिथिला क कला-संस्कृति क सं गसंग व्यंजन कए सेहो नव पहचान भेटत.
उल्लेखनीय अछि जे संजय झा क प्रयास स मंजूर भेल आ केंद्र आ राज्य सरकार क आर्थिक सहयोग स बनीरहल एहि मिथिला हाट क निर्माण कार्य जल संसाधन विभाग क बाढ़ नियंत्रण प्रमंडल-1, झंझारपुर क रहल अछि. 1.97 एकड़ मे बनी रहल एहि हाट क कुल लागत 3 करोड़ 82 लाख 85 हजार रुपया होएत, जाहि मे स करीब 82 लाख क अनुशंसा जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा अपन ऐच्छिक कोष स केलथि अछि. मिथिला हाट क ठीक बगल मे 6.1 हेक्टेयर मे पोखरी स्थित है, जेकर जल-जीवन-हरियाली अभियान क अंतर्गत सौंदर्यीकरण सेहो भ रहल अछि.
श्री झा कहला जे मिथिला क कला-संस्कृति क संवर्द्धन लेल मिथिला हाट क अतिरिक्त तीन सामान्य सुविधा केंद्र क निर्माण रहिका प्रखंड क जितवारपुर, झंझारपुर प्रखंड क रैमा आ पंडौल प्रखंड क रामपुर गाम मे कैल जा रहल अछि. एकर अलावा जितवारपुर में 9.37 करोड़ क लागत स क्राफ्ट विलेज क निर्माण क प्रस्ताव भारत सरकार कए पठाउल गेल अछि, जो स्वीकृति क प्रक्रिया में अछि. श्री झा कहला जे मिथिला चित्रकला संस्थान, सौराठ, मधुबनी क भवन आ संग्रहालय क निर्माण कार्य 40.75 करोड़ क लागत स चलि रहल अछि । इ जनवरी 2021 तक पूरा भ जाएत.