पटना । समस्तीपुर जिलाक केवस निजामत गामक बिटिया प्रकृति राय कें भारत-तिब्बत सीमा पुलिस (आइटीबीपी) केर पहिल महिला कॉम्बैट (लड़ाकू) अधिकारी हेबरक गौरव प्राप्त भेल अछि। आइटीबीपी मे पहिल महिला असिस्टेंट कमांडेंट बनबाक बाद प्रकृति कें भारत-चीन सीमा सं सटल नाथुला दर्रा सन दुर्गम स्थान पर देशक सीमाक रक्षा करबा लेल तैनात कयल जायत। पिथौरागढ़, उत्तराखंड मे कठिन ट्रेनिंग संपन्न करबाक बाद प्रकृतिक सीमा पर तैनाती कयल जायत।
प्रकृति कहै छथि जे ट्रेनिंग मे पुरुष सभक संग ओ कन्हा सं कन्हा मिला क एक सैनिकक रूप में ट्रेनिंग ल रहल छथि। प्रशिक्षण प्राप्त केनिहार जवान मे ओ एसगर महिला छथि।
हुनका पहिल प्रयास मे ई सफलता भेट गेल। हुनका अनुसारे संघ लोक सेवा आयोगक केंद्रीय सशस्त्र पुलिस बल ऑफिसर भर्ती परीक्षाक ओ फार्म भरि देलनि। पहिल पसंदक रूप मे ओ आइटीबीपी केर चयन केलनि। संगहि पहिल प्रयास में सफलताक परचम लहरा देलनि।
ओमहर दोसर दिस प्रकृतिक पिता राम प्रकाश राय भारतीय वायु सेनामे जेडब्लूओ केर पद पर कोलकाता मे कार्यरत छथि। ओ कहै छथि जे हमरा बेटी मे देश सेवाक भावना भरल अछि। ओकर सोच आ आ उत्साह पर हमरा गर्व अछि। प्रकृतिक मां डॉ. मंजू राय प्लस टू उच्च विद्यालय ताजपुर मे हिंदीक शिक्षका छथि। अपन बेटीक सफलता पर प्रसन्न होइत ओ कहै छथि जे प्रकृति केर पिताक जतए जतए बदली भेल ओतए ओतए हुनक बेटीक स्कुली शिक्षा संपन्न भेल अछि। ओ केंद्रीय विद्यालय बोवनपल्ली, सिकंदराबाद सं 12वीं धरिक पढाई केलक अछि। नागपुर विवि सं 2014 मे इलेक्टिकल मे बीटेक केलिन। ओना देश सेवाक इच्छा हेबाक कारण ओ आईटीबीपी मे जेबाक निर्णय केलक।