• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सिंगापुरक सहयोग स दरभंगा मे बनाउल जायत सुभितगर शौचालय

January 19, 2018
in समाचार
A A

रामबाबू

पटना । प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जीक स्वच्छ भारत मिशनकें पुरा करबाक लेल समाजिक संस्था सेंटर फॉर रुरल इनफार्मेशन एंड एक्शन (क्रिया), सिंगापुर केर कंपनी आओर हैमिल्टन लैब केर संयुक्त प्रयास सँ आब दरिभंगा आओर मधुबनी मे 3-डी प्रिंटर उपलब्ध कराओत । जाहिसँ सुन्नर आरामदायी आ टिकाऊ शौचालय केर निर्माण द्रुत गती सँ कएल जाएत । भारतक कॉन्फ़ेडरेशन ऑफ़ इंडियन इंडस्ट्रीज आओर सिंगापुरक इंटरनेशनल इंटरप्राइज केर मध्य सात जनवरी कए करार भेल जाहिसँ सामाजिक विकास लेल दुनु देशक मध्य आधुनिक तकनीकी आदान प्रदान कएल जाएत । क्रिया आओर हैमिल्टन लैब केर संयुक्त प्रयाससँ भारतमे ई पहिल समाजिक पहल होयत ।

स्वच्छ भारत मिशन केर प्रमुख लक्ष्य जंगल झार बाट घाट खुजलमे शौचसँ मुक्त होय, मुदा तीन साल सँ बेसी अभियानके भेलाक बादो उत्तर बिहार एखन बहुत दूर अछि । अनाधिकारिक आंकड़ाक मोताबिक जतय दरिभंगा आओर मधुबनीमे दस लाख शौचालय बनेबाक अछि ओतय प्रशासन केर अनास्था सँ एखन धरि दस हजारो धरि नहि पहुँचल अछि। शौचालय बनयमे भ रहल देरी कए कारण क्रिया कए सचिव डॉ श्याम आनन्द झाक कहब छनि जे एक तँ सरकार द्वारा प्रस्तावित शौचालय मॉडल लेल प्रशिक्षित कारीगरमे भारी कमी अछि आ दोसर सरकार द्वारा देल जा रहल राशिक आवंटनमे व्याप्त भ्रष्टाचारक कारण द्रुत गती सँ शौचालय निर्माण नहि भ पाबि रहल अछि।

श्यामानन्द झा केर मोताबिक 3-डी प्रिंटरकें सहयोगसँ दरिभंगा, मधुबनी आओर अगल बगलमे खुजलमे शौचसँ मुक्त कएल जा सकैए। अहिसँ होय वाला गम्भीर बीमारी सँ त्रस्त उत्तर बिहारक लेल समाजिक कार्यकर्ता डॉ रमण कुमारकें कहब छनि जे घरेघर शौचालय भेनाइ समयक माँग अछि आ एकरा बिना सरकारी अस्पतालक भीड़ पर अंकुश लगायब मोसकिल अछि।

3-डी प्रिंटर सँ निर्माण होमय वाला शौचालय लेल कंस्ट्रक्शन हब केर काज पुर भ चुकल अछि। प्रतीक्षा अछि केवल सिंगापुर सँ आबय वाला रोबोटिक मशीन केर जेकरा अहि महिनाक अंत धरि अएबाक सम्भावना अछि। स्थानीय कार्यकर्ता कन्हैया सिंह केर कहब छनि जे अहि तरहक शौचालय लेल लोक उत्साहित भ बाट जोही रहल अछि। अहिसँ क्षेत्रक पूरा परिदृश्य बदलि सकैत अछि। अहि शौचालयमे खास ध्यान देल गेल अछि की शौचालय हवादार हो जाहिसँ प्रयोग करैत कोनो तरहक गरमी आ की घुटन नहि होय। शौचालयकें लेल ईंट केर स्थान पर फ्लाईऐश प्रयोग कएल जाएत। अहि तकनीकी मे अजैवकीय कचड़ा जेना प्लास्टिक केर बोतल, पॉलिथीन आदि सभक प्रयोग कएल जाएत। अहि शौचालयकें केवल नौ सँ दसे हजार रुपैयामे बनबा कS लोककें देल जाएत।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: Swachch Bharat Abhiayanसेंटर फॉर रुरल इनफार्मेशन एंड एक्शनहैमिल्टन लैब

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

विक्रमशिलाक 60 किमी क गंगीय क्षेत्र मे होएत जलजीवक सर्वेक्षण

बिहार चाहैत अछि जीएसटी जेना हो एक राष्ट्र-एक टैरिफ

एहि साल बिहार सर्किल स वसूलल गेल 19 फीसदी बेसी लगान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि