पटना : भाजपाक बिहार चुनाव प्रभारी महाराष्ट्रक पूर्व सीएम देवेंद्र फड़णवीस कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी शीघ्रहि बिहारमे अढाइ हजार करोड़क रेल परियोजनक आरम्भ करय जा रहल छथि. केंद्र सरकार एक हजार 600 करोड़क मत्स्य पालनक योजनाक अलावा किसानक लेल कतेको सुविधा बहाल कयलनि अछि. आइ दू दिवसीय प्रदेश मीडिया कार्यशालाक समापन कार्यक्रमके ऑनलाइन संबोधित करैत ओ कहलनि जे बिहार आ केंद्रक सरकार संग चलत, त’ राज्यकविकास तेजी स’ होयत.
फड़णवीस कहलनि जे पीएमक आत्मनिर्भर भारत स’ सभ युवाक लेल रोजगार उत्पन्न भेल अछि. एहिमे सभ वर्गक लेल ध्यान राखल गेल अछि. ओ मीडिया सेल स’ जुड़ल लोकके कहलनि जे ओ शालीनताक संग अपना तर्कके पूर्ण मजगूती स’ रखबाक सलाह देलनि.
भाजपा प्रदेश अध्यक्ष डॉ संजय जायसवाल सभ कार्यकर्ता स’ प्रधानमंत्रीक सभ जन-कल्याणकारी योजनाक प्रचार-प्रसार करबाक लेल कहलनि. ओ कहलनि जे मीडिया विभाग स’ जुड़ल तमाम पदाधिकारी लोकनिक दायित्व छनि जे पार्टीक रीति-नीतिक पालन करथि.
संगहि कहलनि जे केंद्र सरकारक गरीब कल्याण योजना, वैश्विक महामारीक नियंत्रणमे केंद्र आ राज्यक कयल गेल काज समेत तमाम अहम बातके प्रमुखता स’ लोकक समक्ष राखथि. आत्मनिर्भर बिहार विषय पर अपन-अपन क्षेत्रमे चर्चा करथि.
भाजपा के राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा आठ सितंबरके बिहार दौरा पर आबि रहल छथि. जखनकि, 9 सितंबरके बिहार विधानसभा चुनावक प्रभारी बनाओल गेल देवेंद्र फड़णवीस सेहो एक दिनक बिहार दौरा पर पहिल बेर आबि रहल छथि. राष्ट्रीय अध्यक्ष एहिठाम आबि क’ राज्यक सभ पार्टी पदाधिकारी आ जिलाध्यक्षक संग वर्चुअल माध्यम स’ संवाद करताह. संगहि आगामी विधानसभा चुनावके ल’ कयल गेल तैयारीक समीक्षा सेहो करताह.