पटना. कर्मचारी भविष्य निधि संगठन (इपीएफओ) बिहारक अपन सदस्यके कोरोनाक कारण उत्पन्न संकटक सोझाँ करबामे मदतिक लेल एखन धरि 34,260 निकासी दावाक निबटारा कयलक अछि. एहि केर अंतर्गत इपीएफओ 63 करोड़ 77 लाख 84 हजार 425 करोड़ टाका बाँटलक.
इपीएफओ एकर जनतब साझा कयलक अछि. प्रधानमंत्री गरीब कल्याण योजनाक अंतर्गत सरकार कोविड-19 केर संकटपूर्ण स्थितिमे वापसी नहि करय वला एडवांस भुगतान योजनाक प्रावधान कयलक. इ योजना अप्रैलमे शुरू भेल अछि.
एहि केर अंतर्गत इपीएफओ अंशधारक अपन भविष्य निधि खाताक कुल जमा कयल आधा राशि अथवा तीन मासक मूल वेतन (मूल वेतन जमा महगी भत्ता) मे स’ जे कम होअय, केर निकासी क’ सकैत अछि.
इपीएफओ अंचल कार्यालयक अपर केंद्रीय भविष्य निधि आयुक्त (बिहार-झारखंड) राजीव भट्टाचार्य बतओलनि जे सामाजिक सुरक्षाक मुहिम आगू बढ़बैत इपीएफओ कोविड-19 महामारीक बाद स’ एखन धरि लगभग 34,260 दावाक निबटान क’ लगभग 63.77 करोड़ टाका बाँटलक.
भट्टाचार्य बतओलनि जे इपीएफओ कोविड-19 संबंधित परेशानीके देखैत भविष्य निधिक निकासीक दावाक निबटानक लेल बेसी स बेसी तीन दिनक समय सीमा तय कयलक अछि.