• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विश्व धरोहर क सूची मे शामिल भेल अपन नालंदा

July 20, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नीतीश कुमार आ संजय सरावगी संग कतेको लोक देलथि बधाई

नई दिल्ली/पटना । युनाइटेड नेशंस एजुकेशनल, साइंटिफिक एंड कल्चरल ऑर्गनाइजेशन (यूनेस्को) महाबोधि मंदिर क बाद बिहार क दोसर स्थल नालंदा क खंडहर कए विश्व धरोहर मे शामिल क लेलक अछि। तुर्की क इस्तांबुल मे विश्व धरोहर समिति क 40म बैसार मे चारिटा नव स्थल कए शामिल करबाक घोषणा कैल गेल।

यूनेस्को कहलक जे प्राचीन नालंदा विश्वविद्यालय क अवशेष वल्र्ड हेरिटेज साइट मे शामिल क लेल गेल अछि। शुक्रदिन करीब दू बजे यूनेस्को अपन वेबसाइट पर विश्व क प्रथम विश्वविद्यालय नालंदा कए सूची मे स्थान द देलक।  विश्व धरोहर मे शामिल होनिहार इ भारत क 33 वां धरोहर छी। बिहार स्थित नालंदा महाविहार (नालंदा विश्वविद्यालय) संग एहि सूची मे चीन, ईरान आ माइक्रोनेशिया क सेहो तीनटा नव स्थल कए स्थान देल गेल अछि।

घोषणाक बाद भारत क संस्कृति मंत्रालय ट्वीट केलक, ‘बधाई.. नालंदा महाविहार क पुरातत्व स्थल आब विश्व धरोहर स्थल बनल। धन्यवाद यूनेस्को, इरिना बोकोवा।Ó इरिना बोकोवा यूनेस्को क एशिया क्षेत्र क महानिदेशक छथि।मुख्यमंत्री नीतीश कुमर सेहो बधाई दैत कहला जे राज्य सरकार आ केन्द्र सरकार क संयुक्त पहल क फलस्वरूप नालंदा महाविहार क भग्नावशेष कए यूनेस्को द्वारा विश्व धरोहर घोषित कैल गेल। एहि महत्वपूर्ण उपलब्धि लेल यूनेस्को मे प्रस्ताव क समर्थन करनिहार सब सदस्य देश कए हुनकर सहयोग लेल आ संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार, यूनेस्को मे भारतीय दूतावास, भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण, राज्य क कला, संस्कृति आ युवा विभाग आ सब संबद्ध अधिकारीगण कए हुनकर प्रयास क लेल हार्दिक धन्यवाद। दरभंगा क भाजपा विधायक संजय सरावगी कहला जे बिहार आ देश लेल गौरव क एहि क्षण मे सब गोटे कए बधाई। पटना स्थित पुरातत्व अधीक्षक डॉ. प्रवीण कुमार मिश्र कहला जे एहि घोषणा स नालंदा क गरिमा बढ़बाक संगहि भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण आ बिहार सरकार क दायित्व सेहो काफी बढि़ गेल अछि।  नालंदाक जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एस मोहनराम कहला जे एहि ठामक लोक बधाई क पात्र छथि, जे एकरा एखन धरि संजोकए रखने रहलाह। पटना प्रमंडलक कमिश्नर आनंद किशोर कहला जे एहि स स्थानीय लोकक संगहि बिहार क लोक कए काफी फायदा भेटत। रोजगार क अवसर बढ़त। 15 साल स एकरा लेल प्रयास भ रहल छल। वल्र्ड हेरिटेज साइट मे शामिल भेलाक बाद सैलानी क संख्या मे बेतहाशा वृद्धि होएत। सुविधा मे बढ़ोतरी क संगहि सुरक्षा व्यवस्था पहिने से बेसी चुस्त होएत। धरोहर क संरक्षण पर पहिने स बेसी खर्च होएत। एकर विकास, सुरक्षा आ संरक्षण क जिम्मेवारी आर्कियोलॉजिकल सर्वे ऑफ इंडिया और बिहार सरकार क होएत।

Tags: नालंदानालंदा विश्वविद्यालयविश्‍व धरोहर

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कोचाधाम मे खुलत राज्यक दोसर फिशरीज कॉलेज

बिहार क पहिल एफडीडीआई तैेयार, 22 स पढ़ाई शुरू

सूर्यपुत्र क अंग प्रदेश चमकत सौर ऊर्जा स

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि