विनीत ठाकुर
दरभंगा । पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी क कार्यकाल में धरोहरक संरक्षण लेल स्थापित राष्ट्रीय पांडूलिपि मिशनक एकटा शाखा दरभंगा मे खुलत। बिहार मे इ दोसर शाखा होएत। दरभंगा स पूर्व एकर बिहार मे एक मात्र शाखा पटना संग्रहालय परिसर मे छल। दरभंगा मे एकर शाखा ललित नारायण मिथिला विश्व विद्यालय क पुस्तकालय परिसर मे होयत। एहि संबंध मे भेटल सूचनाक अनुसार ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क अंतर्गत महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह सामाजिक विज्ञान शोध संस्थान एवं पुस्तकालय मे पांडुलिपि संरक्षण केंद्र क स्थापना क अनुमति केंद्रीय संस्कृति मंत्रालय द्वारा संचालित राष्ट्रीय पांडुलिपि मिशन देलक अछि।मिशन द्वारा पठाओल एक समझौता पत्र के विश्वविद्यालय पदाधिकारी द्वारा हस्ताक्षरित पत्र मिशन के वापस कयला बाद केंद्र क काज शुरू होयत।
लनामिवि में खुजय बाला एहि केंद्र क कार्यक्षेत्र सम्पूर्ण मिथिलांचल हेतैक। संस्थान सब मे सुरक्षित पांडुलिपि के अतिरिक्त व्यक्तिगत पांडुलिपि सबहक संरक्षण आ संवर्धन ई केंद्र करत। विशेषतया कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के ५५०० से अधिक आ मिथिला शोध संस्थान क लगभग १५००० से अधिक पांडुलिपि क संरक्षण आ संवर्धन में केंद्र तत्काल सहयोग करत। संगहि सौराठ मे उपलब्ध सैकड़ों वर्ष पुरान पंजी के संरक्षित कयल जायत।