समदिया

पटना । मिथिलाक धरोहरक दुर्दशा कए देखैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकर संरक्षण क जिम्मा लखनऊ स्थित राष्ट्रीय सांस्कृतिक संपदा संरक्षण अनुसंधानशाला कए सौंप देलथि अछि। देशक सबस प्रतिष्ठित संस्था आब मानक कए अनुरूप धरोहरक संरक्षण करत। दरभंगा स्थित महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालय में नष्ट भ रहल मिथिलाक धरोहर सबहक संरक्षण आ संवर्धन लेल मुख्यमंत्री सतत गंभीर छलाह। जहिना राष्ट्रीय सांस्कृतिक संपदा संरक्षण अनुसंधानशाला एहि काज लेल तैयार भेल बिहार सरकार धन राशि आवंटित क देलक। महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालयक कुरेटर शिवकुमार मिश्र इ जानकारी दैत कहला जे संस्था स एहि काज लेल संग्रहालय निवेदन केने छल। संस्थाक एकटा दल किछु मास पूर्व दरभंगा आयल छल आ धरोहरक स्थिति आ संख्या दूनूक जानकारी लेने छल। संस्था एहि काज लेल एकटा रिपोर्ट कला संस्कृति विभाग कए पछौलक जाहि मे ओ एहि धरोहरक संरक्षण आ संबर्धन लेल खर्च आ समय बतेलक। सरकार रिपोर्ट पर गंभीरता स विचार करैत इ काज संस्था कए देबाक निर्णय लेलक। एहि काज लेल पहिल खेपक राशि आवंटित क देल गेल अछि। शीघ्र राष्ट्रीय सांस्कृतिक संपदा संरक्षण अनुसंधानशाला क अधिकारी एहि काज कए शुभारंभ करताह।
धरोहर लेल काज केनिहार हैरिटेज फोटोग्राफर संतोष कुमार आ सुशांत भास्कर सरकारक एहि निर्णय पर खुशी व्यक्त करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए धन्यवाद देलथि अछि। सुशांत भास्कर कहला जे राष्ट्रीय स्तरक संस्था आब एहि धरोर कए मानक क अनुरूप संरक्षित करत जे बहुत आश्वयक छल। मिथिलाक धरोहर लेल इ एकटा सपनाक साकार होएब अछि। श्री भास्कर कहला जे मिथिला मे जेतबा धरोहरक अवहेलना आ उपेक्षा भेल अछि ताहि कए देखैत स्थानीय जनप्रतिनिधि कए एहि बात लेल प्रयास करबाक चाही जे राष्ट्रीय सांस्कृतिक संपदा संरक्षण अनुसंधानशाला क एकटा शाखा दरभंगा मे स्थायी रूप स खोलल जाये, जाहि स एहि ठामक समेत पूरा बिहारक धरोहरक संरक्षण मानक अनुरूप भ सकत।