पटना । बिहार मे ग्राम पंचायत कए वित्तीय अधिकार भेला स पहिल बेर दिसंबर में एक हजार करोड़ क उपयोगिता प्रमाण पत्र भेटबाक संभावना अहि । एखन तक पंचायत द्वारा खर्च कैल गेल राशि के हिसाब जुटेबाक लेल राज्य के करीब छह हजार ग्राम पंचायत में एकर तयारी भ चुकल अहि । इम्हर राज्यक पन्द्रह जिला में कम्प्यूटराइज्ड डाटा क संग्रह सेहो कयल जा रहल अहि ।सब तकनीकी सहायक सब कए लैपटॉप देल जयत । जहि स हिसाब किताब करवा में सुबिधा हेतये।
ग्राम पंचायतक हिसाब किताब ठीक रखबाक लेल पंचायती राज विभाग द्वारा कुल 2096 लेखापाल सह आइटी सहायक क पद सृजित अहि। लेखपालक पद पर 1500 कर्मी काज क रहल अहि। एक लेखापल के चारी पंचायतक लेखा क हिसाब क जिम्मेदारी देल गेल । रोकड़पंजी क जगह लेखापालक लैपटॉप उपलब्ध करायल जा रहल अहि।
विभाग द्वारा राज्य 325 लेखापाल सह आइटी सहायक सब कए लैपटॉप ख़रीदबा लेल 11 लाख 87 हजार 754 रुपया आओर दोसर चरण मे राज्य क 1050 लेखापाल सह आइटी सहायक सब कए लैपटॉप ख़रीदवाक लेल छह करोड़ 84लाख 52 हजार 747 रुपया जिला सब क जारी क देल गेल अहि । अहि तरह स राज्य के 1375 लेखापाल सह आइटी सहायक अपन क्षेत्राधिकारी के पंचायत में खर्च कयल गेल विभिन्न योजना के राशि के ऑनलाइन रिपोर्ट सुरु क देल जयत ।
पंचायती राज विभाग क अधिकारी सूत्रक अनुसार ग्रामपंचायत में लेखापाल सब के लैपटॉप देबाक लाभ तत्काल भेटये लागल अहि । सूत्रक अनुसार अखन तक प्रति माह ग्राम पंचायत से 50-75 करोड़ के उपयोगिता प्रमाण पत्र विभाग क उपलब्ध होयत अहि । लैपटॉप और जिला स्तर पर पदाधिकारी सब के प्रशिक्षण उपलब्ध करेबाक बाद ई उम्मीद अहि जे दिसंबर माह मे प्रति माह एक हजार करोड़ के उपयोगिता प्रमाण पत्र भेटये लागत ।15वी वित्त आयोग क अनुशंसा क आलोक मे ग्रामपंचायत क लेखा क कम्प्यूटराइज्ड कयल जयत।