पटना: बिहार विधानसभा चुनावके ल’ सभ दल अपना तयारी शुरू क’ देलक अछि. जन अधिकार पार्टीक प्रमुख एवं पूर्व सांसद पप्पू यादव सेहो विधानसभा चुनावमे अपना पार्टीके जीतयबामे कोनो कसरि नहि छोड़य चाहैत छथि.
पप्पू यादव आइ पटनामे राज्यक 243 सीटमे 94 सीटक लेल पहिल लिस्ट जारी क’ देलनि अछि. संगहि ओ कहलनि अछि जे ओ प्रतिज्ञा पत्र सेहो जारी करताह. पप्पू यादव संगहि, तीन सालक भीतर बिहारक नंबर एक प्रदेश बनयबाक दावा कयलनि अछि.
ओ कहलनि, ‘हम हाईकोर्टक एफिडेविटक संग प्रतिज्ञा पत्र जारी करब. हम बिहारके नंबर एक बनयबाक संकल्पक संग आऊंगा. ज’ हम अपना प्रतिज्ञा पत्रके 3 सालक भीतर जमीन पर नहि उतारि सकलहुँ त’ राजनीतिके छोड़ि चलि जायब.’
पप्पू यादव कहलनि अछि जे अत्यंत पिछड़ल आ दलितके मुख्य राजनीतिमे उद्देश्य अछि. दलितक राजनीतिके बचयबाक लेल मांझी आ चिराग एक मंच पर अयलाह. कांग्रेसके सेहो केस बचेबाक लेल अपन गरदनि नहि कटेबाक चाही. लीडरशीपक लेल कांग्रेसके आगू अयबाक चाही. पप्पू यादव साफ-साफ कहलनि अछि जे ओ कांग्रेसके समर्थन देबाक लेल तैयार छथि.