पटना । लोकक इ कहब गलत नहि जे पटना मे गंगा पार ल लेलहु त बुझू जे गंगा नहा एलहुं। नित्य जाम स परेशान बिहार क लोक लेल इ नीक समाद जे आब हुनकर कष्ट महज दू मास आओर बचल छैन। गांधी सेतु क डाउन स्ट्रीम पूरब साइड मे छोट वाहन क आवागमन लेल दिसंबर स पीपा पुल चालू भ जाएत। हाजीपुर आ पटना छोट वाहन स आयब जायब तखन आसान भ जाएत। एकटा पीपा पुल तैयार करबा लेल पीपा बनेबाक काज लगभग पूरा भ चुकल अछि।
फिलहाल एकटा शुरु भ जाएत आ दोसर अगिला साल होली तक शुरु भ जेबाक उम्मीद अछि। ओना गांधी सेतु क जीर्णोद्धार लेल ओकर ऊपरी स्ट्रक्चर बदलबाक काज सेहो अगिला साल शुरु भ जाएत। एकरा लेल कांट्रैक्टर फाइनल भ गेल अछि। वर्क ऑर्डर भेटलाक बाद ओ काज मे सेहो हाथ लागि जाएत।
एखन गांधी सेतु क दूनू दिस एप्रोच रोड बनेबाक काज चलि रहल अछि। दूनू दिस पीपी पुल बनबाक छै। जेकर दूनू दिस गंगा नदी मे डेढ़-डेढ़ किलोमीटर पीपा पुल रहत, बाकी रोड बनत। एक दिसका पीपा पुल तैयार करबा मे 123 पीपा इस्तेमाल होएत आ दूनू दिस लेल कुल 246 पीपा चाही। एखन धरि कुल 35 सेट पीपा तैयार भ चुकल अछि।