पटना। मुख्य मंत्री नितीश कुमार किसान क लेल एक नव फसल वीमा योजना शुरू कयल अछि। फसल सहायता योजना क नाम स शुरू एहि योजना कै मंत्रिमंडल स्वीकृति द देलक अछि आ संगहि राज्य सरकार पी एम फसल वीमा योजना से अलग भ गेल अछि। एहि योजना से लाभ लेबाक लेल किसान के निबंधन करायब आवश्यक होयतैन।
मुख्यमंत्री आवास पर आयोजित कैबिनेट क बैसक मे एहि योजना पर स्वीकृति क बाद स्पष्ट कयल गेल जे किसान के वीमा हेतु कोनो शुल्क नहि देबय पड़तैन्ह।एहि योजना क प्रावधानानुसार वास्तविक उपज दर मे बीस प्रतिशत तक कमी अयला पर 7500 रुपया प्रति हेक्टेयर क दर से राशि देल जयतैन। 20 प्रतिशत से अधिक क्षति पर 10000रु प्रति हेक्टेयर क दर से राशि देल जयतैन। संगेसंग एहि योजना क अन्तर्गत अगिला फसल लेल किसान के प्रोत्साहित सेहो कैल जेतैन।
एकर अतिरिक्त महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल जाहि मे अर्ध सैनिक बल क जवान के शहीद हेबा पर परिवार के 500000 क स्थान पर 1100000 कयल गेल ।मदरसा शिक्षक लेल 215 खड़ोर क स्वीकृति देल गेल। सर्व शिक्षा अभियान क शिक्षक सब लेल 500 कड़ोर टाका क मंजूरी देल गेल।