मुखिया घर मे नहि नुका रखितथि त चोरी क गलत आरोप मे पांचटा अल्पपसंख्यंक युवक कए मारबा लेल उतारू छल भीड

ओकर बाद शाहिद के तकैत मो ईरसाद, मो जिलानी संदिग्ध के पकड़ेबाक सूचना पर नाहस पहुँचला। ग्रामीण हिनका सब के गिरोह क सदस्य बूझि बंधक बना मारि पीट करय लागल।
सूचना भेटते नाहस उत्तर क मुखिया आ श्री इंद्रदेव लाल कर्ण, पूर्व सरपंच सिमरी, हुनका सब के अपन घर मे नूका रखलैथ आ पुलीस के सूचित कयलैथ। आक्रोशित भीड़ क सामना करैत पुलिस के ई जनप्रतिनिधि सब सूजबूझ आ साहस क संग सहयोग कैल जाहि सँ कोनो तरहक अप्रिय घटना नहि भेल।
प्रेस सम्मेलन क पश्चात जिला पदाधिकारी आ पुलीस अधीक्षक दुनू जनप्रतिनिधि के सराहनीय काज क लेल माला, पाग आ प्रशस्ति पत्र से सम्मानित कयल गेल।. मुखिया श्री झा आपदा प्रबंधन विभाग क मास्टर ट्रेनर सेहो छथि।