अमित
समस्तीपुर : बिहार क योजना आ विकास सह उद्योग मंत्री महेश्वर हाज़री घोषणा केलथि जे मात्र दस दिनक अवधि में रामेश्वर जूट मिल खुल जायत. ज्ञातव्य जे रामेश्वर जूट मिल कल्याणपुर सहित कम स कम दर्जन भैर प्रखंड वासी के लेल आजीविका के साधन छल. आ इ दुखद अछि जे पछिला दू बरिख स 15000 स बेशी लोक के जीविका के साधन इ संस्थान आई बंद अछि जाहि कारण सा अहि क्षेत्र के लोक पलायन के लेल विवश छथि. उपरोक्त सब बात के ध्यान में रखैत मिल के संचालक श्री प्रतीक चौररिया सा बात कैल गेल आ मिल के तत्काल चालू करबा मे होई वाला व्याधि के दूर करबाक आश्वासन देल गेल.
शनि दिन मिल परिसर में मिल प्रशासन के तरफ सा त्रिलोकी नाथ सिंह के उपस्थिति में मंत्री जी 10 दिनक अन्तराल में मिल के पुनः चालू करबाक घोषणा केलथि. श्री सिंह से हो पांच दिन में मिल के साफ सफाई के आश्वासन देलथि. आ मिल के बिजली समस्या आओर अन्य छोट मोट समस्या के 1 सप्ताह के भीतर निदान के लेल विचार से हो कैल गेल. मंत्री जी मिल प्रबंधन के हर प्रकार के समस्या के दूर करबाक भरोसा से हो देलैथ. संगहि मंत्री जी जिला उद्योग केंद्र द्वारा चलाओल गेल योजना और अपेक्षित लाभ के विवरण देलैथ आ जिला उद्यमी सब के अहि योजना में शामिल भा क लाभान्वित होएबाक लेल आमंत्रित केलैथ.
मंत्री जी कहला कि एखन तक कुल 107 आवेदक के बैंक के माध्यम स ऋण प्रेषित कैल जा चुकल अछि. मुख्यमंत्री अनुसूचित जाति जनजाति आ अति पिछड़ा वर्ग के उद्यमी योजना के तहत अनुसूचित जाति आ जनजाति के 42 उद्यमी के प्रथम किस्त के रूप में ढाई लाख रुपैया, 36 उद्यमी के द्वितीय किस्त ढाई लाख रुपया आ तृतीय किस्त 5 लाख आ चारि उद्यमी के तृतीय किस्त 10 लाख उपलब्ध करा देल गेल अछि. संगहि अति पिछड़ा योजना हेतु 56 उद्योग के चयन के बात से हो बताएल गेल. बृहत उद्योग के लेल राज्य औद्योगिक नीति के जानकारी दैत अहि नीति सा लाभ उठेबाक लेल उद्यमी सब के आग्रह केलैथ.