पटना। रामजानकी मार्ग (राम जन्म भूमि अयोध्या स सीता जन्मभूमि सीतामढ़ी) कए सीधा जोरय वाला सड़क मे आब हाजीपुर सेहो जुड़ि गेल अहि। अहि लेल मुजफ्फरपुर क आठ आ वैशाली क चौदह गामक जमीन अधिग्रहण हैत। जिला क जहि गामक जमीन लेल जयत ओ अहि मे मानिकपुर ,अबूचक ,इब्राहीमपुर ,कोल्हुवा ,पिपरा घुस ,आनंदपुर सिंह ,वीरपुर और चक अब्दुल रहीम शामिल अहि। अहि सभक प्रक्रिया जल्दी शुरू हौयत।
36 गामक लेल भेजल जा चुकल अहि 3ए प्रस्ताव
अहि बहुप्रतीक्षित सड़क क लेल एनएचआइ कए साहेबगंज क 21 ,पारू क 15 आ केसरिया क दु गामक जमीन क अधिग्रहण कैल गेल अहि। अहि क लेल एनएचआइ क 3ए प्रस्ताव भेजल जा चुकल अहि। अहि मे अहियापुर ,भटडी ,खुरसेदा ,धरमपुर ,परसौनी जंहागीर ,बैजनाथपुर ,वासुदेव , भरत ,वासुदेव ,सराय ,करनोल ,नीलकंठ ,देवसारा ,असली , रजवारा ,लोरिया ,करनोल चतुर्भुज ,धनिया हजरतपुर,दाहा छपरा,चिकनोटा असली ,बेला छपरा ,सिमरी निजामत ,विशुनपुर ,माणिकपुर ,छपरा ,जगदीशपुर धर्म ,कोदरिया ,जलीलनगर , पकुली उर्फ लालू छपरा ,हरिशंकर पुर ,गरीबा ,पारू खास ,निमापट्टी ,पिपरा गोसाइ ,चक अलसर, निम पट्टी, लालू छपरा और केसरिया क जगीरा आ बिटधारी माफी शामिल अछि।
रामायण सर्किट परियोजना क तहत 15 जगह क चयन कैल गेल अहि
अयोध्या स सीधे नेपाल कए जोड़बा लेल रामजानकी मार्ग जिलाक तीन प्रखंड सरैया, साहेबगंज आ पारू स गुजरत, पूर्वी चंपारण क केसरिया हौयत एनएच -28 स जुड़त। दरअसल, रामायण सर्किट परियोजना के तहत विकास क लेल 15 स्थल मे , अयोध्या ,नंदीग्राम शृंगवेरपुर व चित्रकूट (उत्तरप्रदेश ) सीतामढ़ी बक्सर ,दरभंगा (बिहार) चित्रकूट (मध्यप्रदेश) ,महेन्द्रगिरि (ओडिशा) जगदलपुर (छत्तीसगढ़ ) नासिक और नागपुर (महाराष्ट्र ), भद्राचलम (तेलंगना), हंपी (कर्नाटक ) और रामेश्वरम (तमिलनाडु ) के चयन कयल गेल।