पटना । जे मनुष्य भगवानक रथ खिचैत अछि, रथ यात्रा उत्सव देखैत अछि, भगवानक स्वागत करैत अछि, हुनकर सभटा पाप नष्ट भए जाएत अछि तथा एहि जीवनक बाद हुनका भगवद्धाम क प्राप्ति होएत अछि : उक्त गप इस्कॉन पटना क अध्यक्ष श्री कृष्ण कृपा दास एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस कए संबोधित करैत कहलाह ।
पटना इस्कॉन दिस स आगामी रथ यात्रा कए लेल कैल गैल प्रेस कॉन्फ्रेंस में इस्कॉन पटना क प्रवक्ता श्री नंद गोपाल दास बतेलाह जे 14 जुलाई क होए बला एहि रथ यात्रा कए भव्य स भव्यतम बनेबाक लेल देशक विभिन्न भाग स आएल कलाकार विशेष रूप स दिन राति लागल अछि । रथ यात्रा मार्ग मे ठाम ठाम पर आरती आ प्रसाद वितरण क व्यवस्था सेहो कैल गेल अछि, संगे ठाम-ठाम पुष्प वर्षा स भगवान क स्वागत सेहो कैल जाएत । श्री दास कहलाह जे एहि रथ यात्राक विशेष आकर्षण 40 फीट उंच हाईड्रोलिक रथ होएत जाहि पर भगवान जगन्नाथ जे कृष्ण क अभिन्न रूप अछि आ हिनकर यात्रा देखला स विशेष पुण्य भेटैत अछि ।
एहि अवसर पर लंदन स आएल इस्कॉन क क्षेत्रिय सचिव आ आचार्य श्रीमद् महाविष्णु स्वामी जी महाराज कार्यक्रम मे अपन आर्शिवचन स शुसोभित करताह । संगे मदिर निर्माण समिति क अध्यक्ष श्री एल. एन. पोद्दार दीप प्रज्वलित करताह आ रथ यात्रा क शुभारंभ भगवान क रथ क आँगा झाड़ू लगा कए करताह ।
श्री दास रथ यात्रा क रूट क विषय मे बताबैत कहलाह जे ई रथ यात्रा पटना क बुद्ध मार्ग स्थित इस्कॉन मंदिर स निकैल कए बुद्ध मार्ग स होएत तारामंडल, ओतय स कोतवाली – डाक बंगला चौराहा – गॉंधी मैदान – एग्जीबीशन रोड, – फ्रेजर रोड- महावीर मंदिर – जीपीओ गोलंबर होएत बुद्ध मार्ग इस्कॉन मंदिर मे पुन: समापन होएत ।
ज्ञात होए जे पिछला 18 साल स इस्कॉन पटना रथ यात्रा क आयोजन करैत रहल अछि । जाहि मे देश विदेश क कैकटा श्रद्धालू भाग लैत अछि ।