• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

क्षेत्रीय दल सभमे आंतरिक लोकतंत्र जरूरी : सुधाकर सिंह

May 28, 2018
in विचार
A A
10
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
वीरेंद्र यादव न्यूज एजेंसी 
पटना । राजद के कद्दावर राजपूत नेता जगदानंद सिंह क पुत्र सुधाकर सिंह क्षेत्रीय दल मे बढैत अलोकतांत्रिक परंपरा पर चिंता व्यक्त केलथि अछि। ओ कहला अछि जे क्षेत्रीय दल सभमे आंतरिक लोकतंत्र जरूरी अछि।
2010 मे रामगढ़ सँ भाजपाक टिकट पर चुनाव लडनिहार सुधाकर सिंह क संबंध मे कहल जाइत अछि जे हिनकर हारिमे अपनहि पिता क पैघ भूमिका छलनि। ओना 2017 मे गया स्नातक क्षेत्र निर्वाचन मे राजद क प्रत्याशी अपन भाइ पुनीत सिंह कए पक्षमे प्रचार करबाक आरोपमे भाजपा सेहो हिनका निलंबित कए देलक।
दिल्ली विश्वविद्यालय सँ स्नातक रहल सुधाकर सिंह सम्प्रति भाजपा क खिलाफ अभियान चला रहल छथि आऔर ओ मानैत अछि जे भाजपा सँ लड़इ लेल क्षेत्रीय दल सभमे आंतरिक लोकतंत्र जरूरी अछि।
ओ भाजपा आऔर परिवार आधारित क्षेत्रीय पार्टी सभके अंतर केर उल्लेख करैत कहैत अछि कि भाजपा लग निष्ठावान कार्यकर्ता सभक प्रबल टीम अछि। बूथ स्तरसँ लकए पंचायत स्तर तक कार्यकर्ता सभकेँ संगठन अछि आऔर हुनक काजक देखरेख केर तंत्र सेहो अछि। जखन कि क्षेत्रीय पार्टी सभ लग नेता अछि। नेताक परिवार अछि आऔर वोटर अछि। बीचमे समादक कोनो संगठित नेटवर्क नहि अछि। निर्णय लेबए मे कोनो पारदर्शिता नहि अछि। नेताक निर्णय सर्वमान्य होयत अछि। संगठन क नाम पर ठाड़ तंत्र केवल नेतृत्व केर आदेश वाहक अछि। निर्णयमे संगठन केर कोनो भूमिका नहि होयत अछि। पछिला राज्यसभा आ विधान सभा चुनावमे राजद आ जदयू उम्मीदवार सभक चयन अहीÓ बातक प्रमाण अछि।
सुधाकर कहैत अछि कि भाजपा सेहो आब कांग्रेस बनि गेल अछि। इंदिरा गांधी सेहो अपन सत्ता बचेबा खातिर चुनाव आयोग आऔर न्यायालय केर राजनीति हितक लेल प्रयोग करैत छलीह। भाजपा सेहो वएह कए रहल अछि। आगु ओ कहैत अछि कि राजनीतिमें स्थायित्व लेल आर्थिक संसाधन आऔर मीडिया दू प्रमुख कारक अछि। दुनु कांग्रेस आऔर भाजपाक सँग रहैत अछि। आर्थिक रूप सँ बड़का घड़ाना अहि दुनु दलकेँ व्यापक स्तर पर आर्थिक पृष्ठपोषण करैत अछि आऔर मीडियाक बड़का हिस्सा आ खांचा अही दुनु दलकें हितक पोषक अछि।
सुधाकर सिंह आगु बजैत अछि कि बड़का स्तर पर राजनीतिक गोलबंदी भाजपा किंवा कांग्रेसक नेतृत्वमे सेहो संभव अछि। जमीन घिसकल लोक भाजपा विरोधमे अछि। क्षेत्रीय पार्टी सभक एक बड़का  हिस्सा भाजपा केर विरोधमे ठाड़ अछि। एहनमे कांग्रेस कए सेहो बदल पड़तनि आऔर कॉमन मिनिमम प्रोग्राम केर साथ क्षेत्रीय पार्टी  सभके साथ गोलबंदी करय पड़तनि, नव गठबंधन बनाबय पड़तनि। सुधाकर कहैत छथि जे व्यक्तिगत स्तर पर ओ अहि प्रयासमे लागल छथि आऔर भिन्न भिन्न मिथिला देशम पार्टी क नेता सभसँ मिलिकए भाजपा क खिलाप गोलबंदीक प्रयास क रहल छथि। ओ मानला जे वाट्सअप, फेसबुक आऔर ट्विटर केर समयमे सेहो संसाधन आऔर श्रम केर उपयोगिताक नकारल नहि जा सकैत अछि। निसन्देह जमीनी कार्यकर्ता मात्र पार्टी केर मजगुति प्रदान करैत अछि।
सुधाकर सिंह आगु कहैत छथि जे भाजपाक राजनीतिक चरित्र सवर्ण आऔर बनिया आधारित रहल अछि। एकरा बादो ओ नव सामाजिक आ जातीय समूहमे पसारबाक  प्रयास क रहल अछि। बिहारमे ई सभ जनैत जे यादव केर वोट भाजपा केर नहि भेटैत अछि। पार्टी तीन यादव केर प्रदेश अध्यक्ष बनाओलक। लोकसभा चुनावक समय प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी स्वयं कए अतिपिछड़ी जाति सँ जोडि़ प्रचार कएलक आऔर एकर लाभ सेहो पार्टी कए चुनावमे भेटलनि। ओ आगु मानलक जे भाजपाक जीतमे मुसलमान क खिलाप गोलबंदी मात्र एक कारण नहि रहल अछि। अहिकें पाछा सामाजिक खांचाक पसार क बड़का भूमिका रहल अछि। आगु ओ कहलनि कि भाजपा केर विजय रथ कए रोकबाक लेल कांग्रेस आ क्षेत्रीय पार्टी सभकेँ सेहो आधार पसारबाक रणनीति पर काज करैय पड़तनि आऔर निर्णय प्रक्रियामे आंतरिक लोकतंत्र बहाल करय पड़तनि जाहिसँ कार्यकर्ता सभके सेहो पार्टीक साथ होयबाक आभास होय। तखनहि भाजपाक खिलाप विकल्प ठाड़ भ सकैत अछि।
अनुवाद प्रस्तुति : रामबाबू झा
Tags: democracySudhakar Singh
Share10TweetPin

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

माँछ उत्पादनमे देशक चारिम राज्य बलन बिहार, मुदा आत्मलनिर्भर एखनो नहि

Esamaad Epaper Website

तीन दिनक भीतर दाखिल खारिजक काज नहि भेल शुरु त नौकरी गेल बुझू : डीएम

75 साल पुरान हाबड़ा ब्रिज लेल कोलकाता पोर्ट ट्रस्ट बना रहल अछि कईटा योजना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि