• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

हिनक जगदम्ब अहीं अवलम्ब हमर हे माय अहां बिनु आस केकर,जे भगवतीक गीत अछि, कंठ कंठमे रचल बसल अछि आ हमरा जनैत विद्यापतिक गीत सभक पश्चात् सर्वाधिक लोकप्रिय गीत यैह अछि।

May 31, 2020
in विचार
A A
20
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा

मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे आइ भिनसर हिनक निधन स्थानीय बंगालीटोला लहेरियासराय केर हिनक निवास पर भऽ गेलनि। हिनक अंतिम संस्कार हुनक पैतृक गाम तारडीह प्रखण्डक कैथवार नामक गाममे भेलनि।

मैथिलीपुत्र प्रदीप मात्र मैथिली गीतक रचयिता छला अपितु ओ मिथिलाक धरोहर छला। हिनक निधन सं मैथिली गीति परम्पराक एकटा युगक अवसान भऽ गेल। हिनक जगदम्ब अहीं अवलम्ब हमर हे माय अहां बिनु आस केकर,जे भगवतीक गीत अछि, कंठ कंठमे रचल बसल अछि आ हमरा जनैत विद्यापतिक गीत सभक पश्चात् सर्वाधिक लोकप्रिय गीत यैह अछि।

हिनक पूरा नाम प्रभुनारायण झा छलनि आ हिनक जन्म २ अप्रैल १९३६ इस्वीमे कैथवार नामक गाममे भेल छलनि। ई संत व्यक्तित्वक स्वामी छला आ माय भगवतीक आराधना मे सदति लागल रहैत छला। प्रदीप जी वृत्तिएं अध्यापक रहथि।

हिनक कृतिमे अनेक पोथीक नाम अबैत अछि जेना टुन्नी दाइक सोहाग, अष्टदल,स्वयंप्रभा, श्री मदभागवत गीता, गीत प्रदीप, श्री नटवरलीला महाकाव्य,  सीता अवतरण आदि। ई गीत, कविता,  कथा, नाटक,  खण्डकाव्य आदि लिखलनि। ई विद्यापति परंपराक रचनाकार छला। हिनका अनेको सम्मानसं सम्मानित कऽ संस्था आ सम्मान दुनू गौरवान्वित भेल अछि । हिनका वैदेह सम्मान,  मिथिला रत्न,  भोगेन्द्र झा सम्मान,  सुमन साहित्य सम्मान  आदि अनेको सम्मान सं सम्मानित कैल गेल छनि। हिनक रचना मिथिलाक माटि पानिक रचना अछि, आस्था संवेदनाक रचना अछि, लोक जीवन आ लोक पर्वक रचना अछि । एहन संत कविक गोलोकवासी भेलासं सम्पूर्ण मिथिला आइ मर्माहत  अछि।

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
  • लेखक दरभंगा के सीएम कॉलेज में सहायक प्राध्यापक के पद पर कार्यरत हैं
Tags: maithilipradeep
Share20TweetPin

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019

इमरजेंसी: ओहि दिस स एहि दिसका लोकतंत्र

June 25, 2019
Next Post
मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

भगिरथ प्रयास : 86 साल बाद फेर जीवित होएत कमलाक पुरान धार, किसान कए पटौनी मे होएत सुविधा 

भगिरथ प्रयास : 86 साल बाद फेर जीवित होएत कमलाक पुरान धार, किसान कए पटौनी मे होएत सुविधा 

सुशांत अहां कए ऐना नहि जेबाक छल

सुशांत अहां कए ऐना नहि जेबाक छल

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कियो नहि उठेलक मिथिलाक विकासक नैतिक दायित्व

by संपादक
March 27, 2017
0

Read more

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि