• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home विचार

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिला क दोसर विद्यापतिक रूप मे प्रख्यात मैथिली पुत्र प्रदीप क लहेरियासरायक बेलवागंज स्थित आवास पर शनिदिन देहावसान भ गेल।

May 30, 2020
in विचार, समाचार
A A
299
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

मुकुन्द मयंक

बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित छल। ओ हम्मर कोनो मैथिली काव्य गोष्टि मे पहिल भागीदारी छल। गोष्ठी के संचालक छलाह कवि श्री चन्देश ओ अध्यक्ष छलाह जगदंब अहीं अवलंब हमर…’, ‘मिथिला के धिया सिया जगत जननी भेली…’ तू नहि बिसरिहें गे माय…’,  ‘बाबा बैद्यकनाथ कहाबी…’  और ‘चलू चलू बहिना हकार पूरै ले…’ जेहेन अनगिनत कालजयी गीतक रचना सभक रचना कर’ वाला मैथिली साहित्य जगत में ‘मैथिलीपुत्र प्रदीप’ के नाम सँ सुविख्यात शिक्षक-कवि प्रभु नारायण झा – मैथिली पुत्र प्रदीप। हमरा अखनो मोन अछि जे अप्पन अध्यक्षीय भाषण मे मैथिली पुत्र प्रदीप मात्र एतबा कहला जे ” मैथिल अपन्न समय के बहुत दुरुपयोग करैत छथि, अहाँ सब समय कए सदुपयोग करू।“ आ माइक संचालक दिस बढ़ा देने छलाह।

मैथि‍ली साहित्‍य जगत कए आइ अपू‍रणीय क्षति भेल अछि। साहित्‍य क एकटा युग क अंत भ गेल अछि। मिथिला क दोसर विद्यापति क रूप मे प्रख्यात मैथिली पुत्र प्रदीप क लहेरियासराय क बेलवागंज स्थित आवास पर शनिदिन भोर करीब 6.30 बजे देहावसान भ गेल। प्रदीप क जन्म 30 अप्रैल, 1936 फागुन कृष्ण पंचमी कए भेल छल। हुनक पैतृक गाम दरभंगा जिलाक तारडीह प्रखंड मे कैथवार छल।

प्रदीप अपन प्रारंभिक जीवन मे बिहार सरकार क प्रारंभिक विद्यालय मे सहायक शिक्षक छलाह। 1999 मे दरभंगा क गौरी शंकर मध्य विद्यालय, कोतवाली चौक स ओ सेवानिवृत्त भेलाह। एकटा शिक्षक क रूप मे नौकरी करैत ओ सतत मैथिली क सेवा करैत रहलाह। मिथिला क कण-कण मे समा गेल हुनकर गीत ‘जगदंब अहिं अवलंब हमर हे माई अहां बिनु आस केकर’ हुनका दोसर विद्यापतिक दर्जा द देलक। मैथिली पुत्र कए मिथिला रत्न, सुमन साहित्य सम्मान, वैदेह सम्मान, मिथिला रत्न सम्मान, भोगेंद्र झा सम्मान सहित दर्जन स बेसी पुरस्कार भेटल अछि।

मिथिला-मैथिली के विकास लेल सतत चिंतनशील रह’ वाला हितचिंतक आई भले हमरा सभसँ दूर चलि गेला, लेकिन अपन लेखनी सँ मिथिला-मैथिली के मान-सम्मान के नित नव प्रतिमान गढ़ वाला मैथिली पुत्र प्रदीप अपन रचना मे हरदम हमरा सभक बीच जिबैत रहता।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

लोक चलि जाएत अछि, बात मोने रहि जाएत छैक बहुत दिन तक , जीवन भरि तक… हमरा जानकारी मे कथवार गामक निवासी ओ ऋषि परंपरा के कवि मैथिली पुत्र प्रदीप बेसी भक्ति गीत लिखने छथि, एक बेर कोनो पत्रकार द्वारा पुछला पर एहि विषय मे ओ कहला जे हम तँ गीतक रचना मैया के सुनाबै लेल करैत छी, आब लोक सब ओकरा रिकार्ड क’ लएत अछि एहि मे हमर की दोष। प्रदीप एहन कवि छलाह जिनकर रचना कागज स बेसी लोकक कंठ मे बसल अछि। लोक हुनका हुनकर गीत स चिन्‍हैत अछि आ हुनकर गीत करीब 4 दशक स मिथिलाक गोसाउन घर मे सतत गाउल जाइत रहल अछि।

मैथिली पुत्र प्रदीप के लिखल आ रामबाबू झा के गाओल गीत ”बाबा वैद्यक नाथ कहाबी से सुनि शरण मे एलौ ने” आ एहि गीतक दोसर पाँति “दानी कहबै छी दुनिया मे मुदा दान कहां हमरा दय छी” हम्मर प्रिय नचारी थीक। अप्पन गामक महादेव मंदिर के लाउडस्पीकर पर बच्चे सँ ई नचारी सुनैत आबि रहल छी, आई हम्मर प्रिय भक्ति गीतक रचनाकार नहि रहला, सादर श्रद्धाजंलि।

Tags: maithilipradeeppradip
Share299TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

भगिरथ प्रयास : 86 साल बाद फेर जीवित होएत कमलाक पुरान धार, किसान कए पटौनी मे होएत सुविधा 

भगिरथ प्रयास : 86 साल बाद फेर जीवित होएत कमलाक पुरान धार, किसान कए पटौनी मे होएत सुविधा 

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि