सुपौल : समस्तीपुर रेल मंडलक डीआरएम अशोक माहेश्वरी जिला मुख्यालयक दौरा कयलनि. एहि दौरान डीआरएम स्थानीय रेलवे स्टेशन पर यात्री लोकनिक सुविधा एवं नव निर्मित रेलवे प्लेटफॉर्मक निरीक्षण कयलनि. एहि दौरान ओ अधिकारी लोकनिके बचल काजक निर्माण शीघ्र करयबाक निर्देश देलनि. संगहि सहरसा स’ राघोपुर धरि रेल परिचालनके ल’ नव नर्मित बड़ी रेल लाइनक निरीक्षण कयलनि.
एहि दौरान ओ सिग्नल, लोको सेड, प्लेटफॉर्म, यात्रीक सुविधा आदिके ल’ बचल कार्य फुट ओवर ब्रीज, रेलवे ट्रेक सहित आन काजक सूक्ष्मता स’ छानबीन कयलनि. भेटल जनतबक अनुसार एहि निरीक्षणक बाद सहरसा स’ राघोपुर एवं भपटियाही स’ आसनपुर कुपहा धरि 15 सितंबर स’ रेल परिचालन होयबाक संभावना जताओल जा रहल अछि. एम्हर रेलवे कंस्ट्रक्सन डिपार्टमेंट एवं इलेक्ट्रिक विभागक लोगोके डीआरएम श्री माहेश्वरी कतेको निर्देश देलनि. बतओलनि जे कोसी ब्रीज एवं राघोपुर रेलखंडक सीआरएस निरीक्षण भ’ चुकल अछि. शीघ्रहि यात्री लोकनिक लेल रेल सेवा बहाल कयल जायत. एकरा ल’ निरीक्षण कयल गेल.
ओ बतओलनि जे सहरसा स’ राघोपुर धरि एहि मासक अंत धरि सभ किछु ठीक-ठाक रहल त’ रेल परिचालन संभव भ’ सकत. झखराही रेलवे ढालाके बन्न करबाक बाद बाइपास सड़क निर्माण नहि होयबाक बीच बतओलनि जे शीघ्रहि कंस्ट्रक्सन डिपार्टमेंटके एहि आलोकमे लिखल जायत आ एहि सड़कक निर्माण काज पूर्ण क’ लेल जायत. ओहिठाम पर पीसीएसटीई राजेश कुमार, सीएओ कॉन ब्रजेश कुमार, चीफ इंजीनियर एके राय, स्थानीय रेलवे स्टेशनक स्टेशन मास्टर पीसी चौधरी सहित इंजीनियरिंग कॉमर्सियल टेलीकॉम सहित आन पदाधिकारी एवं कर्मी उपस्तिथ छलाह.
सरायगढ़-राघोपुर रेलखंडक भेल निरीक्षण
राघोपुर. रेलवेक सीएओ ब्रजेश कुमार, चीफ इंजीनियर सुशील कुमार, डिप्टी चीफ इंजीनियर संजय कुमार सहित दर्जनो अधिकारी राघोपुर रेलखंडक निरीक्षण कयलनि. जनतब डाइट सीएओ कुमार बतओलनि जे सुपौल स’ सरायगढ़, सरायगढ़ स’ कुपहा एवं सरायगढ़ स’ राघोपुर धरिक निरीक्षण कयल गेल अछि. ओ बतओलनि जे आगू एहि स्टेशनक उद्घाटनक प्रक्रिया शुरू होमयवला अछि. सीएओ स’ रेलवे स्टेशन पर भ’ रहल घटिया निर्माणक विषयमे पूछल गेल त’ ओ बतओलनि जे जतय कतहु काजमे कमी अछि, ओकरा सुधार क’ लेल जायत. रेल परिचालनक प्रश्न पर बतओलनि जे रेल मंत्रालय स’ दिशा निर्देश प्राप्त होयबाक बादे एकरा विषयमे बताओल जा सकत.