• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सकरी कारखाना कए कबाड मे बेचबा पर लागल रोक

October 9, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
सावित्री कुमारी
sakriकामेश्वरनगर (दरभंगा)। सकरी चीनी मिल कए कबाड मे बेचबाक साजिश तत्काल विफल भ गेल। रैयाम चीनी मिल जेका सकरी कए सेहो कबाड मे बेचबाक कोशिश मिथिला स्टूडेंड यूनियन क कार्यकर्ताक सक्रियता स विफल भ गेल। बिहार सरकार एहि संबंध मे यथास्थिति बना रखबा लेल मधुबनी क जिलाधिकारी आ पुलिस अधीक्षक कए निर्देश देलक अछि।
जानकारी क अनुसार गत सप्ताह सकरी चीनी मिल स राति मे किछु ट्रक लोहा निकलबाक सूचना स्थानीय लोकक माध्यम स मिथिला स्टूडेंड यूनियन क कार्यकर्ता कए भेटल। खोजबिन शुरु भेल त पता चलल जे रैयाम चीनी मिल जेकां सकरी चीनी कारखाना कए सेहो कबाड मे बेचबाक प्रयास कैल जा रहल अछि। खुलबाक उम्मीद में बेचल गेल कारखाना कए लुटबाक खबरि पाबि मिथिला स्टूडेंड यूनियन क कार्यकर्ताक आक्रोश सडक स ल कए सरकारी कार्यालय तक देखबा लेल भेटल। आम लोकक बीच सेहो एहि बात क चर्च शुरु भेल जे कारखाना कए चलेबाक बदला मे बेचल जा रहल अछि। आम स खास तक एहि मामला क पडताल मे लागि गेल। एहि बीच, पटना में ईख विभाग मे जखन एहि विषय पर स्पष्टीकरण मांगल गेल त एकटा नव मामला सामने आयल। सकरी कारखाना क कबाड नुका कए बेचनिहार कारोबारी प्रदीप चौधरी दरअसल सरकार लग एहि कारखाना लेल निर्धारित राशि एखन धरि जमा नहि केलथि अछि। ओ बेर बेर सरकार स राशि जमा करबाक तिथि बढेबाक अनुरोध क रहल छथि। सरकार हुनका राशि जमा करबा लेल जे तारीख देने छल, श्री चौधरी ओहि स पूर्व कारखाना कए कबाड मे बेच भगबाक योजना बनेने छलाह। गौर करि जे रैयाम मिल संग सेहो यैह भेल अछि। निर्धारित राशि जमा करबा स पूर्व मिल कए कबाड मे बेच देल गेल।
मिथिला स्टूडेंड यूनियन दिस स जारी दस्तावेज क अनुसार ईख विभाग क आयुक्त सकरी कारखाना परिसर स कोनो प्रकार क कबाड बाहर ल जेबा पर रोक लगा देलथि अछि।  ईख आयुक्त गिरिजेश प्रसाद श्रीवस्तव क आदेश मे मेसर्स तिरहुत इंडस्ट्रीज लिमिटेड क प्रबंध निदेशक प्रदीप कुमार चौधरी कए कारखाना परिसर क कोनो सामान बेचबा स रोकि देल गेल अछि। एहि लेल स्थानीय प्रशासन कए कारखाना क सुरक्षा सुनिश्चित करबा लेल कहल गेल अछि।  ईख आयुक्त गिरिजेश प्रसाद श्रीवस्तव क कहब अछि जे मेसर्स तिरहुत इंडस्ट्रीज लिमिटेड क प्रबंध निदेशक प्रदीप कुमार चौधरी निविदा भेटलाक बाद निर्धारित राशि एखन धरि जमा नहि केलथि अछि। हुनका चार करोड छप्पन लाख पच्चीस हजार टका एखन आओर सरकार कए देबाक अछि। इ राशि जमा करबा लेल मेसर्स तिरहुत इंडस्ट्रीज लिमिटेड क प्रबंध निदेशक प्रदीप कुमार चौधरी कए सरकार 7 जून तक समय देने छल, मुदा ओ राशि जमा करबा क बदला मे सरकार स बैंक गारंटी बढ़ेबाक एक बेर फेर मांग केलथि अछि, जाहि पर फैसला एखन विचाराधीन अछि। राशि जमा नहि भेला पर हुनका लगातार एकरा जमा करबा लेल कहल जा रहल अछि। हुनका इ तक कहल गेल अछि जे अगर यथाशीघ्र राशि नहि जमा भेल त निविदा सेहो रद्द भ सकैत अछि। एकर बावजूद सरकार लग ओ एक टका जमा नहि केलथि अछि, दोसर दिस कारखाना क कबाड बेचबाक सूचना भेटल अछि। हुनकर कारखाना क कबाड बेचबाक प्रयास गंभीर मामला अछि। विभाग एकरा गंभीरता स ल रहल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे मेसर्स तिरहुत इंडस्ट्रीज लिमिटेड दिल्ली क कंपनी अछि आ एकरा ल एकटा सुइया तक बनेबाक अनुभव नहि अछि। दरअसल एहि कंपनी कए जमीन पर कोनो वजूद नहि अछि। एकर प्रबंध निदेशक प्रदीप कुमार चौधरी भाजपाक पूर्व विधायक अशोक यादव आ बचौल स मदद स अजीत नाथ झाक संग मिल रैयाम आ सकरी सरकार स औने पौने दाम मे किनलथि। बाद मे अजीत नाथ झा कंपनी स अलग भ गेलाह। मिल खुलबाक सपना देखा चौधरी बैंक गारंटी क रकम स कहीं बेसी रकम रैयाम चीनी मिल क कबाड बेच निकाली चुकल छथि। सूत्र क कहब अछि जे प्रदीप कुमार चौधरीक अगिला योजना सकरी क कबाड बेच सरकार लग हाथ उठा देबाक छल। ओना प्रदीप कुमार चौधरी अपन कंपनी मेसर्स तिरहुत इंडस्ट्रीज लिमिटेड जदयू विधायक सुनील चौधरी क जिम्मा लगेबाक  योजना लगभग बना चुकल छथि। किछु कानूनी बाधा अछि जाहि स योजना सफल नहि भ सकल अछि। जानकारक कहब अछि जे सुनील चौधरी क हाथ गेला स सकरी कारखाना बचत, एकर उम्मीद कम। मुदा जेतबा दिन बचल रहि जाये काफी अछि। किया त जदयू विधायक सुनील चौधरी  एहि ठाम पैघ स्मार्ट स्मार्ट सिटी बनौताह, नहि की चीनी मिल खोलताह। एखन मे रैयाम आ सकरी दूटा स्मार्ट सिटी लेल हम सब तैयार रही।
Tags: Sakri Sugar Mill

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

वाहन चलायब सिखबाक अछि त सारण चलू

Esamaad Epaper Website

बस दू मास आओर कष्ट, पीपा पुल दिसंबर मे होएत चालू

बिहार आ झारखंड कए पहिल बेर जोडत सेतु

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि