सब जिला कार्यालय में सेहो दू-दू टा पद के कयल गेल श्रृजन, नियुक्ति बेलट्रॉन के माध्यम सँ होयत
लक्ष्मी सिंह ठाकुर
पटना । राज्य के तमाम शेल्टर होम के संचालन हेतु कर्मचारी सबहक कमी शीघ्र दूर होयत। एहि लेल 152 नव पद के श्रृजन होयत। राज्य बाल संरक्षण समिति में सेहो 34 नव पद श्रृजित कयल जायत। समाज कल्याण विभाग पद श्रृजन संबंधी प्रस्ताव कैबिनेट में मंजूरी हेतु भेज देल।
आधिकारिक सूत्र सबके अनुसार राज्यस्तरीय मॉनिटरिंग बाल संरक्षण समिति में 17 पद स्वीकृत अछि मुदा केवल 12 गोटे काज कय रहल छथि। हिनका सबसँ पूरा राज्य के सबटा बालगृह, शेल्टर होमक निगरानी संभव नहिं अछि। एहिलेल 34 टा नव पद श्रृजित कयल जायत। समिति के सबटा जिला कार्यालय में क्लर्क के दू-दूटा पद श्रृजित कयल जायत। बाहरी काज लेल कर्मी, चपरासी-आईटी ब्वाय बहाल होयत। हुनका सबके 8 हजार के बदले 12 हजार मानदेय भेटत आ नियुक्ति बेलट्रॉन के माध्यम सँ होयत।
जिला बाल कल्याण समिति में 20 हजार के मानदेय पर एक-एक टा सहायक बहाल हेताह। किशोर न्याय परिषद में कम्प्यूटर आपरेटर, 38 सहायक, मल्टी टास्क स्टाफ , आँकड़ा सहायक बहाल होयत। हिनका 25 हजार आ सहायक सबके 20 हजार टका वेतन भेटत। हिनक सबके वेतन के मद में कुल 11.64 करोड़ अतिरिक्त खर्च होयत। समिति के एहि संदर्भ में सोमदिन भेल बैसार में एहि सब प्रस्ताव पर मुहर लागल। बैसार में समाज कल्याण विभागक प्रधान सचिव अतुल प्रसाद, निदेशक शिक्षा आदि विभिन्न विभागक अफसर लोकनि भाग लेलाह। कामकाज के दुरुस्त राखयलेल ‘उच्च मानक नियमावली’ बनि रहल अछि। संगहि प्रक्रिया के देखरेख के लेल प्रोजेक्ट मैनेजमेंट युनिट के स्थापना सेहो होयत।