• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

SIS बनल बिहारक पहिल मल्टीनेशनल कंपनी

June 28, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
9 हजार करोड़ बाजार मूल्यक एहि कंपनी में कार्यरत छथि डेढ लाख स बेसी कर्मचारी
पटना । एसआइएस सिक्यूरिटी प्राइवेट लिमिटेड बिहारक पहिल मल्टीनेशनल कंपनी बनि गेल अछि। कंपनी समूहक प्रबंध निदेशक ऋतुराज सिन्हा वार्षिक आम सभा क बाद पत्रकार संग गप करैत कहला जे बिहार मूलक इ कंपनी रोजगार देबा मे 15वां स्थान रखैत अछि। एहि कंपनी मे करीब डेढ लाख लोक कए रोजगार भेटल अछि जाहि मे 32 हजार बिहारी छथि।
श्री रितुराज कंपनीक संबंध मे जानकारी दैत कहला जे कंपनी  सुरक्षा और सेवाक क्षेत्र मे सबस तेजी स आगू बढि रहल कंपनी मे स अछि। कंपनीक सालाना ग्रोथ करीब 25 फीसदी क अछि।
श्री रितुराज कहला जे शेयर बाजार में सूचीबद्ध  एसआइएस एहन एकमात्र एहन कंपनी अछि जेकर मुख्यालय पटना मे अछि। ओ कहला जे 1974 मे स्थापित एहि कंपनी मे जे बिहारियत अछि ओ आगू सेहो बनल रहत आ एकर मुख्यालय पटना मे अछि आ रहत।
कौशल विकासक क्षेत्र मे इ कंपनी देश में अग्रणी अछि। युवा मे देशक प्रगति आ देशक सुरक्षाक भाव पैदा करबा मे लागल अछि। श्री रितुराज कहला जे कंपनी क पलामू समेत कुल 19टा प्रशिक्षण केंद्र अछि जाहि मे करीब 5 लाख युवा कए प्रशिक्षत कैल जा चुकल अछि। इ युवा सब विभिन्न संस्थान मे कार्यरत छथि।
फैसिलिटी मैनेजमेंटक क्षेत्र मे कंपनी सेहो अपन पैर पसारि रहल अछि आ सर्विस मास्टर नामक कंपनीक अधिग्रहण एहि दिशा मे एकटा डेग कहल जा सकैत अछि। ऑस्ट्रेलिया मे आयोजित राष्ट्रमंडल खेलक भेटल सुरक्षाक जिम्मेदारी सफल्तापूर्व निभेला पर खुशी व्यक्त करैत कहला जे उम्मीद करू जे एहन कोनो आयोजन अपन देश मे होएत त कंपनी कए ओकर सुरक्षाक भार सेहो उठेबा लेल भेटत।
श्री रितुराज कहला जे देश मे प्रथम 10 टा स्वच्छ रेलवे स्टेशन मे स तीनटा कोटा बडोदरा आ भुवनेश्वर क स्वच्छता क जिम्मेदारी एसआइएस उठौने अछि।  श्री रितुराज कहला जे पिछला साल नोटबंदी आ ओकर बाद नकद आवाजाही कंपनी लेल एकटा चुनौती छल। एहन मे कंपनीक 2500 कैशवेन तमाम दिक्कतक बावजूद एटीएम तक नकद पहुंचेबा मे लागल रहल।
ओ कहला जे कैश लॉजस्टिक क क्षेत्र मे एहि साल मंदी रहल मुदा कंपनीक कुल हिस्सेदारी मे एकर योगदान महज 3फीसदी अछि आ एकर भार लगभग.25 फीसदी रहल जेकर प्रभाव कंपनीक कुल मुनाफा पर नहि पडल। शेयर बाजार क पिछला अवधि देखल जाये  त कंपनी शेयर 800 रुपये क छल जे अधिकतम 1399 रुपया तक गेल आ एहन करीब 1150 पर अछि जे 35 स 38 फीसदी तक मुनाफा द रहल अछि। कोनो नव सूचीबद्ध कंपनी लेल इ सर्वाधिक कहल जा सकैत अछि।
Tags: BiharMultinational ComapnySIS

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

विश्व प्रसिद्ध सौराठ सभा प्रारंभ

जननी, सुरक्षा मे ९० लाख क व्यय संदेहास्पद : महालेखाकार

भारत सहित ३७ देश मे आन लाइन बिकायत मिथिला पेंटिंग

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि