रोहित कुमार सोनू
सीतामढ़ी। कालाजार मुक्त जिला निर्माण क लेल सीतामढ़ी मे जागरुकता क नायाब तरीका अपनाओल गेल अछि । एहिक तहत खेल-खेल मे पढ़ाई जेना खेल-खेल मे कालाजार मुक्त अभियान चलाओल जा रहल अछि । एहि अभियान मे सरकारी स्कूल मे कालाजार लूडो क वितरण कैल जा रहल अछि । कालाजार लूडो क प्रारंभ मे बिहार का मानचित्र अंकित कैल गेल अछि । जाहि मे लिखल अछि ‘हमने यह ठाना है कालाजार मिटाना है’। यैह स्लोगन क संग कालाजार लूडो क खेल प्रारंभ कैल गेल अछि । दोसर घर मे सीढ़ी बनाओल गेल अछि, जाहि मे अंकित अछि, दीवार क दरार आ बथान मे कीटनाशक छिटल गेल। ई सीढ़ी कालाजार मुक्ति क दिशा मे बढ़ैत कदम कए दर्शा रहल अछि । चारिम घर मे पैघ सीढ़ी क पायदान बनाओल गेल अछि, जाहिमे अंकित अछि ‘घर क सभटा कमरा आ बथान मे कीटनाशक क छिड़काव कराओल’। एहि सॉंप सीढ़ी क खेल मे ई देखाओल गेल अछि जे केना अहाँ कालाजार निवारण क दिशा मे काज कए एहि खेल मे विजयी भए सकब आ कोना नहि केला पर साँप द्वारा डसल जाएब । अंत मे विजयी घर मे ‘कालाजार मुक्त सीतामढ़ी’ अंकित कैल गेल अछि । कालाजार लूडो क माध्यम से कालाजार मुक्ति क दिशा मे होए बला पहल, कालाजारक कारण, दुष्परिणाम, सरकारी योजना, इलाज क व्यवस्था आदि दर्शाओल गेल अछि ।
स्कूली बच्चा क लेल एहि तरह लूडो एहि लेल उपलब्ध कराओल गेल अछि ताकि ओ अपन परिवार मे एहिक चर्चा करय आओर कालाजार मुक्त सीतामढ़ी क निर्माण मे सार्थक पहल भए सकय । राज्यटा नहि अपितु पुरा देश में एहि तरह क पहल खाली सीतामढ़ी मे कैल जा रहल अछि । जिला मलेरिया पदाधिकारी डॉ. रविन्द्र कुमार बतौलथि जे कालाजार मुक्ति क दिशा मे सीतामढ़ी कए भारत मे आदर्श जिला घोषित कैल गेल अछि ।