दरभंगा : बिहारक बीएड कॉलेजमे नामांकनक लेल 22 सितंबरके राज्य स्तरीय संयुक्त प्रवेश परीक्षा (सीइटी बीएड 2020-21) होयत. 24 अगस्तके परीक्षा लेबाक लेल नोडल यूनिवर्सिटी लनामिवि दू वर्षीय बीएड कोर्समे नामांकनक लेल परीक्षाक संभावित तिथि जारी कयने छल. प्रवेश परीक्षा लेबाक अनुमति सुप्रीम कोर्ट द’ देलक अछि. प्रवेश परीक्षामे शामिल छात्रक बीएड कॉलेजमे नामांकन लेब एवं प्रवेश परीक्षा आयोजित करबाक अनुमतिके ल’ स्टेट नोडल यूनिवर्सिटी (एलएनएमयू) केर दिस स’ सुप्रीम कोर्टमे याचिका दाखिल कयल गेल छल. सुप्रीम कोर्ट सुनवाइक बाद आइ एकर अनुमति द’ देलक अछि.
निजी बीएड कॉलेज संघक दिस स’ राज्य स्तरीय संयुक्त प्रवेश परीक्षाक बिना स्नातक स्तरीय उच्चतम अंकक आधार पर छात्रक नामांकन लेबाक ल’ कोर्ट एवं राजभवनमे विरोध जताओल गेल छल. सुप्रीम कोर्ट संघ द्वारा राखल गेल पक्षके खारिज करैत नोडल विविक पक्षमे निर्णय देलक अछि. न्यायादेशक बाद आब प्रान्तक 10 विवि मुख्यालय शहरक लग 200 केंद्र पर 22 सितंबरके कुल एक लाख 22 हजार 331 छात्र-छात्रा परीक्षा देत. एहिमे रेगुलर मोडक एक लाख 16 हजार 130, डिस्टेंस मोडक छह हजार 20 एवं शिक्षाशास्त्रीक 181 परीक्षार्थी शामिल अछि. परीक्षार्थीमे 65,930 पुरुष एवं 56425 महिला अछि.
सुप्रीम कोर्ट स’ स्वीकृति भेटलाक बाद आब अलग स’ परीक्षा शेड्यूल जारी करबाक जरुरति नहि होयत. यूजीसी एवं सरकार द्वारा जारी एडवाइजरीक अनुसार परीक्षामे कोविड 19 के ल’ सोशल डिस्टेंसक अनुपालन कराओल जायत. केंद्र पर मास्क एवं गलब्सक संग परीक्षा आयोजन स’ 45 मिनट पहिने परीक्षार्थी के पहुँचि जाय पड़त. परीक्षा एक शिफ्टमे भोर 11 स’ बेरियां एक बजे धरि होयत.
प्रवेश परीक्षा ओएमआर शीट पर होयत.
उत्तीर्णताक लेल सामान्य कोटिक अभ्यर्थीके ३5 एवं आरक्षित कोटिक अभ्यर्थीके 30 प्रतिशत अंक आनय पड़त. प्रवेश परीक्षा 120 अंकक होयत. सभ प्रश्न बहुविकल्पीय आ एक-एक अंकक होयत. 15 अंकक प्रश्न जनरल इंग्लिश कंप्रीहेंशन स’, 15 अंकक जनरल हिंदी स’, 25 अंकक लॉजिकल एंड एनालिटिकल रिजनिंग स’, 40 अंकक जनरल अवेयरनेस तथा 25 अंकक प्रश्न टीचिंग लर्निंग स’ पूछल जायत.
जिला परीक्षार्थीक संख्या
पटना 42292
मुजफ्फरपुर 14851
गया 14233
छपरा 4160
आरा 7541
पूर्णिया 5760
मुंगेर 3441
भागलपुर 8769
मधेपुरा 7099
दरभंगा 14189