नई दिल्ली । अभिनेता सुशांत सिंह राजपूतक बैंक खाताक ऑडिट रिपोर्ट सँ जनतब भेटल अछि जे हुनका बैंक खातामे पिछला पांच सालमे 70 करोड़ टाकाक टर्न ओवर भेल अछि. एकर माने अछि जे सुशांतक बैंक खातामे पछिला पांच सालमे लगभग 70 करोड़ टाका आयल आ ओहिमे सँ खर्च भेल. मुंबई पुलिस सुशांतक बैंक खाताक फॉरेंसिक ऑडिट करओने छल. मुंबई पुलिस ई फॉरेंसिक ऑडिट रिपोर्ट सीबीआई आ ईडीके देलक अछि, जाकर जांच कयल जा रहल अछि. ज्ञातव्य अछि जे ग्रांट थॉर्टन नामक कंपनीक ऑडिट रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे सुशांतक अकाउंट स’ रियाक अकांउटमे कोनो इलेक्ट्रॉनिक ट्रांजेक्शन नहि भेल अछि.
ऑडिट रिपोर्ट स’ साफ पता चलैत अछि जे सुशांत अपन जिनगी पूरा ऐशो-आराम स’ जीबैत छलाह. स्वयं केर संग-संग अपन दोस्त, परिवार आ स्टाफ़ पर सेहो बहुत खर्च करैत छलाह. सुशांतक कमायल 70 करोड़मे सँ मुंबईमे एक टा फ़्लैट, महग-महग गाड़ी आ बाइक पर खर्च कयलनि. ओतहि ओ आन-आन बैंकमे 5-7 करोड़क एफडी आ करोड़ो टाकाक पूंजी म्यूचूअल फंड्मे निवेश केने छलाह.
सुशांत पांच करोड़ स’ बेसीक टैक्स भरने छलाह. ओतहि करोड़ो टाका अपना मैनेजमेंट माने मैनेजर, स्टाफ आ घर खर्च पर उपयोग केने छल. सुशांत 3-4 करोड़ टाका अपना घरक भाड़ा पर सेहो खर्च केने छल. ईडी एहि बातक एखन जनतब लए रहल अछि जे रिया आ हुनका परिवार पर सुशांत कतेक टाका खर्च केने छल.
ईडीके संदेह अछि जे सुशांत पैघ पूंजी रिया आ हुनका परिवार पर खर्च केने छल. लगभग 50 लाख टाका सुशांतक अकाउंट स’ रिया आ हुनक भाइ पर खर्च भेल छल. इ खर्च यूरोप टूर, शॉपिंग, स्पा, होटल एवं टिकट बुकिंग पर खर्च कयल गेल छल.
सुशांत दिलदार व्यक्तित्व केर छलाह, जे चैरिटीक संग-संग अपना स्टाफ, दोस्त एवं घर परिवार पर सेहो खर्च करैत छलाह. ओतहि दोसर पैघ बात इ अछि जे सुशांत पैघ पूंजी कतेको प्रोडक्शन हाउस, एजेंसी एवं किछु कम्पनी सभके देलनि अछि. इ टाका सुशांत कोन काजक लेल देलनि एकरो जांच कयल जा रहल अछि.
ईडी भांज लगा रहल अछि जे की रियाक एहि एजेंसी, कम्पनी सँ कोनो सम्बन्ध अछि. सुशांत पैघ पूंजी एंटिटी पेमेंटक रूपमे सेहो कयलनि अछि. ओतहि सुशांत एगो पैघ पूंजी चैरिटी जेना केरलमे आयल बाढ़ि केर लेल मदति कयलनि आ आनो प्रकारक जरुरतमंदक लेल सेहो केने छल ।