आनंद मोहन भारद्वाज
मुंबई । भारतक रुपिया बुध दिन दुपहरिया स्तर के बेरी मे अमेरिकन डॉलर क मुकाबले अखन तक के सबस निचला स्तर पर पहुंच गेल। एकटा अमेरिकन डॉलर क कीमत आजुक दिन मे 70.82 रूपैया भ गेल। बैंक आ आयातक सब लगातार रुपैया दबाब मे आइब गेल। कचका तेलक कीमत बढला स तेल तेल रिफायनरी कम्पनी द्वारा डॉलर के मांग बढ्ल अईछ। मंगल दिन पांच पैइसा के सुधार क संगे 70.10 पैसा प्रति डॉलर पर बंद होव वाला रुपैया बुध दिन 22 पैसा और नीचा खसइक क 70.32 पैसा पर खुजल। हांलाकि किछ समयक बाद वापसी करैत इ 70.24 पैसा प्रति डॉलर तक भी पहुंचल।