रामबाबू सिंह
मधेपुर । थाईलैंड सँ पछिला कएको दिनसँ एकटा खबरि संसार भरिक लोकक मन मस्तिष्क केर झकझोरि रहल छल। असलमे थाईलैंड केर वाइल्ड बोर नामक नेना भुटकाक फुटबॉल टीमक तेरह सदस्य एकटा गुफाकें भीतर जाक’ भटकि गेलाह। बाहर झमाझम बरखा होयबाक कारण गुफामे पानि भरैत रहलैए आ ओ सभ आगु बढ़ैत सुरक्षित स्थान तकैत तकैत चारि किलोमीटरसँ बेसी जा बढलाह आ अंतमे घुप्प अन्हार गुफामे जतय चारु कात बन्द छल ओतय फँसि गेलाह। आब चारु कात अथाह पानि आ ओहिमे एकटा पाथड़क कछेड़ धेने अठारह दिन धरि जिनगी आ मृत्युक बीच संघर्ष करैत रहलाह। हप्ता बाद त थाई सरकार खोजबीन शुरू कएलक मुदा ओ सभ एहन विषम परिस्थितिमे मजगुति सँ एकदोसरकें उत्साहित करैत जिनगीक पैघ परीक्षामे सफल भेलाह।
अठारह दिन धरि पानि सँ भरल गुफामे तेरह लोकक जान बचेएबाक लेल थाई नेवी सील आओर सेनाकेँ अलावा ब्रिटेन, अमेरिका, फ्राँस, ओस्ट्रेलिया, जापान म्यंमार आओर चीनक विशेषज्ञ सभ दिन राति ओहि प्रकृतिक दुर्गम खेलक सामने डटल रहलाह। कनिओ टा चूक तेरह टा जान पर आफ़द आनि सकैत छलैए तेँ सभटा रणनीति झाँपल तोपल बिना हो-हल्लाकें संयमित पूरा कएलक। थाई नेवी सीलकें एकटा सैनिक बचएबाक क्रममे ऑक्सीजन सिलेंडर खतम होयबाक कारण कालक ग्रास सेहो बनलाह। थाईलैंड सरकार अहि मिशनकें अति सावधानी सँ, मीडियाकें दूर रखैत सेहो बिना कोनो सनसनी पसारने धैर्य सँग काज कएलक। नापल जोखल बुलेटिन समयानुकूल दैत मिशन पुर होयबाक धरि श्रेय लेबाक कोनो होड़ नहि देखौलक।
मिशन खतम भेलाक बाद थाईलैंड सरकार फेसबुक माध्यम सँ लिखैत अछि जे जतय बचबाक रत्ती भरि आस नहि छल ओतय मृत्युकें पछाड़ि सभकेँ बचा लेल गेल से हमरा लेल कोनो चमत्कार सँ कम नहि। एहन दुष्कर परिस्थिति मे कोच बच्चा सभक मनोबल मजगूत करैत भरोसा दैत रहलाह। जाहिसँ बच्चा सभ विचलित आ प्रतिकूल मनोस्थिति केर सिकार नहि भ’ जाए। अहि साहस आ धैर्य हेतु कोचकें जतेक प्रशंसा कएल जाए से कमतर हएत। हिनकर पहाड़ सन मजगुति इच्छाशक्ति केर समक्ष दुनिया लोक नतमस्तक अछि।
अहि बिन बजाओल खतरनाक प्राकृतिक घटनासँ मनुक्ख मात्र लेल एकटा पैघ शिक्षा भेटैत अछि जे “नौबति चाहे केहनो भयाबह किएक नहि होय मुदा साहस आ धैर्य नहि छोड़बाक चाहि”। आ छुच्छे ढोल पिटला सँ जग हँसाई के’ सिवा किछु नहि भेटैत छैक। नीक काजकें प्रचार करबाक बेगरता नहि आ चाइनीज मालकें कतबहु प्रचार होय लोककेँ भरोसा नहि। काज स्वतः लोकक लेल जबाब होयत अछि। तेँ फुसीआहि सनसनी पसारबा सँ नीक जे काजक सनसनी पसरै आ सभक मानस पटल पर स्वतः अंकित होय।