• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

तेजस्वी यादव केर सोझाँ होयत मगध केर राजनीतिक किला बचयबाक चुनौती

September 1, 2020
in समाचार
A A

पटना.  बिहारक राजनीतिमे मगध केर क्षेत्र प्रदेशक सत्ताक भविष्य तय करैत अछि. मगध केर क्षेत्र लालू प्रसाद यादवक राजनीतिक मजगूत गढ़ मानल जाएत अछि. मुदा नीतीश कुमारक राजनैतिक प्रभाव बढ़बाक संगहि इ जेडीयू-बीजेपीक दुर्ग बनि गेल. नीतीश कुमार एहि क्षेत्रक धुरी मानल जाएत छथि आ यैह कारण अछि जे 2015 मे आरजेडी एतय अपन पैर मजगूती स’ जमयबामे सफल रहल छल, मुदा अब नीतीश आ बीजेपी एक संग अछि त’ तेजस्वी यादवक लेल मगधक राजनीतिक साम्राज्य बचयबाक चुनौती अछि.
मगध प्रमंडलक पांच जिला गया, अरवल, जहानबाद, औरंगाबाद आ नवादामे विधानसभाक कुल 26 टा सीट अबैत अछि. पछिला दू चुनाव स’ इ इलाका बिहारक सत्ताक फैसला करैत आबि रहल अछि. 2010 मे बीजेपी-जेडीयूक नाम रहल त’ 2015 एहि इलाकामे लालू यादवक लहरि देखबामे आयल छल. एकरे कारण छल जे पछिला चुनावमे एतय महागठबंधन 20 सीट अपना नाम कयने छल आ

पूरा इलाका स’ एनडीएक सफाया भ’ गेल छल.

2015 केर बिहार विधानसभाक चुनावमे मगध प्रमंडलक 26 सीटमे स’ 10 सीट आरजेडी जीति क’ अपन दबदबा बनओने छल. एकरा अलावा जेडीयूक खातामे 6 सीट आयल छल आ कांग्रेसके चारिटा सीट भेटल छल. ओतहि, एनडीएक खातामे छह सीट आयल छल, जाहिमे बीजेपीके 5 आ जीतनराम मांझीक पार्टीके एक टा सीट भेटल छल. 2015 मे आरजेडी अरवलक दू गोट सीटमे स’ एक, जहानाबादक तीन सीटमे स’ दू, औरंगाबादक छह सीटमे स’ एक, नवादाक पांच सीटमे स’ दू आ गयाक 10 सीटमे स’ चारिटा सीट जीतने छल. एकरा पांच साल पहिने आरजेडीक अरवल, जहानाबद, औरंगाबाद आ नवादा जिलामे खाता धरि नहि खुजि सकल छल. आरजेडीक संग-संग कांग्रेसक सेहो स्थिति 2010 केर मोकाबिला  2015 मे नीक भेल छल. ओ 2015 मे औरंगबादमे दू गोट आ गया एवं नवादामे एक-एक टा सीट जीतने छल, जखनकि एहि स’  पहिने मगधमे ओकर खाता नहि खुजल छल.

एहि बेर बदलि गेल अछि राजनीतिक समीकरण

यद्यपि, एहि बेरक विधानसभा चुनावमे बिहारक राजनीतिक समीकरण बदलि गेल अछि. जेडीयू एक बेर फेर स’ अपन पुरान सहयोगी बीजेपीक संग अछि, जकर सहयोगीक रूपमे एलजेपी अछि आ जीतन राम मांझी अयबाक प्रयासमे छथि. ओतहि, आरजेडी कांग्रेस, उपेंद्र कुशवाहा आ वामपंथी दलक संग मिलिकय चुनावी भाग्य आजमा रहल अछि. मगधक क्षेत्रमे आरजेडीक किलाके बचेबाक चुनौती तेजस्वी यादवक कान्ह पर अछि, किए  नीतीश कुमार ने 2010 में बीजेपी के साथ मिलकर इस इलाके की सभी सीटों को अपने नाम कर लिया था. आरजेडी को महज त’ एकटा  सीट भेटल छल आ कांग्रेसक खाता सेहो नहि खुजि सकल छल. ओतहि, जेडीयूके 16 सीट भेटल छल आ बीजेपीके 8 सीट भेटल छल. एकरे परिणाम छल जे राज्य बीजेपी-जेडीयू गठबंधनक सरकार बनल छल, आब फेर स’ वैह समीकरण सोझाँ अछि, जाहि स’ तेजस्वी यादवके मोकाबिला करबाक अछि.

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: BiharRJD

Related Posts

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
कोरोना संकटमे IIT पटनाक छात्रक कमाल, जापानक कंपनी स’ भेटल 59 लाखक पैकेज

कोरोना संकटमे IIT पटनाक छात्रक कमाल, जापानक कंपनी स' भेटल 59 लाखक पैकेज

बिहार: परीक्षा देबयवला छात्रक लेल  2 स’ 15 सितंबर धरि विशेष ट्रेन चलाओत रेलवे , देखू पूरा लिस्ट

बिहार: परीक्षा देबयवला छात्रक लेल  2 स' 15 सितंबर धरि विशेष ट्रेन चलाओत रेलवे , देखू पूरा लिस्ट

NDA केर सहारे पूर्व CM जीतन राम मांझीक नाव लागत कात, काल्हि NDA मे शामिल होयत HAM

NDA केर सहारे पूर्व CM जीतन राम मांझीक नाव लागत कात, काल्हि NDA मे शामिल होयत HAM

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि