समदिया
पटना। डेहरी-ऑन-सोन आ सोननगर क रूट रिले इंटरलॉकिंग कार्य पूर्ण भ गेल आ तिहरी ब्रांड गेंज रेल लाईन वाला तीन किलोमीटर लम्बा पुल भारतीय रेल लेल गौरव बनि गेल। सम्पूर्ण भारतीय रेल मे इ इकलौता एहन पुल अछि जाहि पर एक संग तीनटा ट्रेन या छह लांग हॉल मालगाड़ी ट्रेन क परिचालन कैल जा रहल अछि। दिल्ली-कोलकाता रेलखंड पर डेहरी-सोननगर ब्रिज देश क कोयला परिवहन लेल सबस व्यस्ततम ग्रैंड कॉर्ड लिंक अछि। एहि रेल पुल पर प्रतिदिन करीब सवा दो सौ मेल, पैसेंजर आ मालगाड़ी क परिचालन होइत अछि आ लगभग हर दस मिनट मे एकटा ट्रेन एहि रेल पुल स गुजरैत अछि।
बता दी जे एहि न0 रेल पुल क समांतर 10052 हजार फीट लम्बे पुरान रेल पुल क निर्माण आयरन गिरडर्स आ पैघ-पैघ पाथर स भेल अछि। ओहि समय स्विट्जरलैंड क टे-बिरीज क लम्बाई 10527 क बाद विश्व क सबस लम्बा रेल पुल यैह छल। 93टा खंभा वाला एहि रेल पुल मे एकटा खंभा स दोसर खंभा क कुल दूरी 33 मीटर अछि। एहि पुरान रेल पुल क निर्माण कार्य 1897 मे चालू भेल छल आ 27 फरवरी, 1900 मे एहि पर ट्रेन क परिचालन शुरू भेल छल। करीब 119 साल बाद नव रेल पुल भारतीय रेल लेल गौरव क विषय बनल।
एहि महत्वाकांक्षी परियोजना कए मूर्त रूप मे सामने एला पर मुगलसराय मंडल आ पूर्व मध्य रेल हाजीपुर क कई इंजीनियर आ अधिकारीक टीम सबसे पहिने एकर ड्रोन स सर्वेक्षण केलथि फेर एकर सूचना रेल मंत्रालय आ बोर्ड कए देलथि। डेहरी-सोननगर क नोडल पदाधिकारी रहल ब्रजेश कुमार यादव कहला जे इ पूर्व मध्य रेल लेल पैघ उपलब्धि अछि।