पटना. रेलवे बिहारमे नीट आ जेईई परीक्षाक छात्र लेल 2 स’ 15 सितंबर धरि 20 जोड़ी विशेष ट्रेन चलयबाक फैसला कयलक. रेल मंत्री पीयूष गोयल एकर घोषणा करैत कहलनि जे इ सुविधा नेशनल डिफेंस एकेडमी (एनडीए) परीक्षामे शामिल होमयवला छात्र लोकनिके सेहो देल जायत।
मंत्री ट्वीट कयलनि, ‘भारतीय रेलवे बिहारमे जेईई मेन्स, नीट आ एनडीएमे शामिल होमयवला छात्रक सुविधाक लेल 2 स’ 15 सितंबर धरि 20 जोड़ी एमईएमयू/डीईएमयू स्पेशल ट्रेन चलयबाक फैसला कयलक अछि।’ राष्ट्रीय पात्रता सह प्रवेश परीक्षा (नीट) 13 सितम्बरके जखनकि इंजीनियरिंग प्रवेश परीक्षा जेईई-मेन एक स’ छह सितम्बर धरि आयोजित करबाक योजना अछि। कॉमन एनडीए 2020 परीक्षा 6 सितम्बरके निर्धारित अछि।
बिहारमे पटना, भागलपुर, दरभंगा, गया, मुजफ्फरपुर, पूर्णिया, आरामे परीक्षा केन्द्र बनाओल गेल अछि। एही बेर परीक्षा केंद्रक संख्या 570 स’ बढ़ा क’ 660 क’ देल गेल अछि। ओतहि, जेईई-नीट (JEE-NEET) एवं अन्य परीक्षाके देखैत राज्य सरकार छात्रक आवागमनक सुविधा हेतु बिहार राज्यक अंदर अंतर जिला एवं लोकल यात्री ट्रेनक परिचालनक लेल पूर्व मध्य रेलवे स’ अनुरोध कयने छल, जाहि पर रेलवे सहमति द’ देलक अछि।