- 7 सितंबर स’ दौड़य लागत मेट्रो ट्रेन
- दिल्ली मेट्रोक एक कोचमे 50 लोकनि बैसि सकताह
- समयमे सेहो बदलाव भ’ सकैत अछि
bn
कोरोना वायरस केर बढ़ैत मामिला स’ निपटबाक लेल मेट्रो सेवाके 22 मार्च स’ बंद क’ देल गेल छल. आब अनलॉक-4 मे केंद्र सरकार मेट्रो सर्विस शुरू करबा के मंजूरी द’ देलक अछि. 7 सितंबर स’ मेट्रो ट्रेन एक बेर फेर पटरी पर दौड़ैत नजरि आओत. एकर सभ स’ बेसी लाभ दिल्लीमे रहयवला लोकनिके होयत. एहिठाम बेसी लोक मेट्रोमे यात्रा करैत अछि. शीघ्रहि स्वास्थ्य मंत्रालय दिस स’ एसओपी सेहो जारी कयल जायत, जाहिमे मेट्रो ट्रेनके चलाओल जयबाके ल’ क’ आवश्यक दिशा-निर्देश जारी कयल जायत.
मेट्रोक लेल स्टैंडर्ड ऑपरेटिंग प्रोसिजर (SOP) तैयार करबाक लेल यूनियन हाउसिंग एंड अर्बन अफेयर्स मिनिस्ट्री 1 सितंबरके बैसक बजओलक अछि। एहिमे देशक सभ 17 मेट्रो रेल कॉरपोरेशनक मैनेजिंग डायरेक्टर्स शामिल होयताह। एहि बैसकमे तय होयत जे मेट्रोमे यात्री लोकनिक यात्रा कोना सुरक्षित कयल जाय?
दिल्ली मेट्रो रेल कॉरपोरेशन (डीएमआरसी) केंद्र सरकारक फैसलाक स्वागत कयलक अछि। ट्विट क’ कॉरपोरेशन कहलक अछि जे एसओपी जारी होयबाक बाद आगू लोकल लेवल पर आन फैसला लेल जायत। यद्यपि डीएमआरसी शनिदिन न्यूज एजेंसीके बतओने छल जे मेट्रो शुरू करबाक लेल कतेको तरहक सावधानी राखल जायत। एकरा अनुसार एक कोचमे 50 टा लोक स’ बेसी नहि बैसि सकताह. टाइमिंगमे बदलाव, टिकट काउंटरके मैनेज करब सन बात शामिल छल।
इ अछि किछु महत्वपूर्ण विन्दु-
- मेट्रो भोर 6 बजेक बजाय 7:30 बजे स’ चलत आ रातिमे 11:30 केर बजाय 10 बजे बन्न भ’ जायत मेट्रो स्टेशन।
- भीड़के नियंत्रित करबाक लेल मेट्रो स्टेशन सभ पर 40% गेट टा खोलल जायत.
- सभके कम स’ कम 2 मीटरक सोशल डिस्टेंसिंग राखय पड़त.
- सभके फेस मास्क पहिरय पड़त.
दिल्ली मेट्रो रेल कॉर्पोरेशन बतौलक अछि जे अनलॉक 4.0 केर दिशा-निर्देशक अनुसार, दिल्ली मेट्रो 7 सितंबर स’ अपना सेवाके पब्लिकक लेल शुरू क’ देत। मेट्रो पर एसओपी जारी होयबाक बाद मेट्रो सर्विस स’ जुड़ल बाकी जनतब सार्वजनिक कयल जायत.
एहि शहरमे मेट्रो चलाओल जाइत अछि
दिल्ली, मुंबई, बेंगलुरु, चेन्नई, हैदराबाद, लखनऊ, जयपुर आ कोलकाता।
मेट्रो शुरू करबाक लेल सभ स’ पहिने पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जी आ फेर दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल मांग कयने छलाह. दुनू प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीके चिट्ठी लिखि क’ मेट्रो शुरू करबाक अनुमति मांगने छलाह।
दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल केंद्र सरकारक मेट्रो सर्विस शुरू करबाक केंद्र सरकारक फैसलाक स्वागत कयलनि अछि. ओ कहलनि जे हमरा खुशी अछि जे मेट्रोके 7 सितंबर स’ शुरू करबाक अनुमति देल गेल अछि.